तीन महिनामे एक लाख ८१ हजार नयाँ मतदाता बढ़ल


काठमाण्डू, १० अखारः स्थानीय तह निर्वाचनक पूर्वतैयारी सुरु कएने निर्वाचन आयोग बितल तीन महिनामे एक लाख ८१ हजार ३ सओ ६७ नयाँ मतदाता बढ़ल बतौलक अइछ । बितल प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक बाद उक्त मतदाता बढ़ल अइछ ।

उक्त निर्वाचनक बाद १८ हजार छ सओ २२ टा मतदाता नामावली अद्यावधिकके लेल निवेदन प्राप्त भेल आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन । बितल प्रतिनिधि सभा निर्वाचनमे एक करोड़ ८९ लाख तीन हजार ६ सओ ८९ मतदाता कायम छल ।

आयोग आगामी स्थानीय तहके निर्वाचनक तैयारीके लेल मतदाता नामावली अद्यावधिक, मतदान स्थल तथा मतदान केन्द्र पुनरवलोकनलगायत काज सञ्चालन क रहल ओ बतौलैन ।

स्थानीय तह निर्वाचनक तैयारी सम्बन्धमे इएह अखार ४ गतेके राष्ट्रिय सभाक राष्ट्रिय समावेशीकरणके सङ्घीयता सबलीकरण तथा राष्ट्रिय सरोकार समितिक बैसारमे आयोगक पदाधिकारीसभसँ परामर्श कएल गेल छल ।

निर्वाचन होबाक निर्धारित मितिसँ कम्तीमे छ महिना पहिने निर्वाचन घोषणा, समयमे आवश्यक बजेट उपलब्ध करेबाक, आयोग तथा मातहत निकायके रिक्त पद पूर्ति, मतदाता नामावली व्यवस्थापन प्रणाली स्तरोन्नति, आधुनिक उपकरणसँ मतपत्र छपाइ तथा गलत सूचना प्रवाह नै होए तइ लेल प्रभावकारी संयन्त्र विकास करबाक विषयमे सुझावसभ प्रस्तुत कएल गेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय