काठमाण्डू, १० अखारः कुल विदेशी पर्यटकमध्ये करिब ६० प्रतिशत नेपालक संरक्षित क्षेत्रसभ भ्रमण कएने सरकारक तथ्याङ्कमे देखल गेल अइछ । नेपाल घुमै लेल आबैबला पर्यटकके प्रमुख गन्तव्य राष्ट्रिय निकुञ्ज, आरक्ष आ संरक्षित क्षेत्र अइछ ।
आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे स्वदेशी आ विदेशीसहित कुल १० लाख ९७ हजार ८ सओ ३६ गोटे पर्यटक संरक्षित क्षेत्रके भ्रमण कएने राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग जनौलक अइछ ।
विभागक महानिर्देशक डा. बुद्धिसागर पौडेल सार्क देश आ अन्य विदेशीके सङ्ख्या पाँच लाख ११ हजार ७ सओ ६२ आ नेपाली पाँच लाख ८६ हजार ७४ पर्यटक अइछ । पर्यटक प्रवेशसँ उक्त आर्थिक वर्षमे एक अरब ५२ लाख १६ हजार टका राजस्व सङ्कलन भेल छल ।
आार्थि वर्ष २०८१/८२ के विवरणअनुसार शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जमे तीन लाख ४६ हजार ६ सओ ४४, ओइके बाद अन्नपूर्ण संरक्षण क्षेत्रमे दू लाख ७८ हजार एक सओ १३, चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जमे दू लाख ४९ हजार ९ सओ ५६ पर्यटक प्रवेश कएने छल । सबसँ कम अपिनाम्पा संरक्षण क्षेत्रमे २ सओ २९ गोटे पर्यटक प्रवेश कएने तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ ।
नेपालमे चितवन, बर्दिया, लामटाङ, रारा, बाँके, सगरमाथा, शे–फोक्सुन्डो, शिवपुरी नागार्जुन, मकालु बरुण, खप्तड, शुक्लाफाँटा, पर्सा आ छायाँनाथसहित १३ राष्ट्रिय निकुञ्ज अइछ ।
तहिना, कुष्णसार, अपिनाम्पा, कञ्चनजङ्घा, मनास्लु, गौरीशङ्कर आ अन्नपूर्णसहित छ संरक्षण क्षेत्र तथा ढोरपाटन सिकार आरक्ष एवं कोशीटप्पु वन्यजन्तु आरक्ष अइछ । संरक्षण क्षेत्रसभ देशक कुल भू–भागके २३.३९ प्रतिशत क्षेत्र समेट्ने अइछ । (रासस)





