प्रधानमन्त्री शाहद्वारा ‘बर्न’ इलाज केन्द्र विस्तार करबाक निर्देशन


काठमाण्डू, २९ अखारः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह सातो प्रदेशमे सुविधासम्पन्न ‘बर्न’ इलाज केन्द्र स्थापनाके योजना तत्काल आगु बढ़ेबाक लेल निर्देशन देलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे आइ स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक उपकुलपतिसँ परामर्शक क्रममे ओ प्रमुख सरकारी अस्पतालमे बर्न वार्ड सुदृढ़ीकरणक लेल सेहो आवश्यक योजना आगु बढ़ेबाक निर्देशन देलैन ।

प्रधानमन्त्री शाह गम्भीर प्रकृतिके जलनके बेमारी समयमे गुणस्तरीय इलाजक व्यवस्था सुनिश्चित करबाक लेल सङ्घ, प्रदेश आ सम्बन्धित स्वास्थ्य संस्था बीच आवश्यक प्रभावकारी समवंय करबाक लेल सुझाव देलैन ।

गुणस्तरीय, प्रभावकारी तथा नागरिकमैत्री स्वास्थ्य सेवा सरकारक उच्च प्राथमिकतामे रहल उल्लेख करैत अस्पतालमे सरसफाइ, सेवा प्रवाहमे सुधार, ‘डिजिटल’ प्रविधिके प्रयोग आ सुशासनक प्रभावकारी कार्यावंयन करबाक लेल सेहो ओ ध्यानाकर्षण करोलैन ।

विपन्न, असहाय तथा आर्थिक रूपमे कमजोर नागरिकके स्वास्थ्य सेवामे पहुँच विस्तार करबाक लेल निजी अस्पतालके बहिरङ्ग (ओपिडी) सेवाके कम्तीमे १० प्रतिशत सेवा सहुलियतपूर्ण रूपमे उपलब्ध करेबाक व्यवस्थाके प्रभावकारी कार्यावंयन करबाक लेल प्रधानमन्त्री शाह निर्देशन देलैन ।

एकटा स्वास्थ्य संस्था विकास कएने उत्कृष्ट आ असल अभ्यासकेँ अन्य संस्थाके सेहो साझेदारी आ सिकाइके माध्यम बनेबाक लेल सुझाव दैत ओ प्रतिष्ठानक नाममे रहल जग्गा अतिक्रमणके विषय सम्बन्धित निकायसँ समवंय क कानुनबमोजिम समाधानक लेल पहल करबाक बतौलैन ।

परामर्शक क्रममे उपकुलपतिसभ चिकित्सा शिक्षाके गुणस्तर अभिवृद्धि, स्वास्थ्य सेवा प्रवाहमे सुधार, अस्पतालक सरसफाइ, विशेषज्ञ स्वास्थ्य सेवा विस्तार, दक्ष स्वास्थ्य जनशक्ति व्यवस्थापन, अनुसन्धान प्रवर्द्धन आ पूर्वाधार विकाससम्बन्धी सुझाव प्रस्तुत केलैन ।

ओसभ स्वास्थ्य सेवामे ‘डिजिटल’ रूपान्तरण, अस्पताल सूचना व्यवस्थापन प्रणालीके प्रभावकारी कार्यावंयन तथा किछ प्रतिष्ठानक नामपर रहल जग्गा अतिक्रमणके कारण संस्थागत विकासमे पड़ल प्रभावके बारेमे प्रधानमन्त्रीसमक्ष जानकारी करौलैन ।

ओइ अवसरमे पाटन स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक उपकुलपति प्राडा नवीसमान सिंह प्रधान, राप्ती स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक उपकुलपति प्राडा अजयकुमार मिश्र, पोखरा स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक उपकुलपति प्राडा नारायणसिंह गुरुङ, बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान, धरानक उपकुलपति डा स्मृति काफ्ले तथा चिकित्सा विज्ञान राष्ट्रिय प्रतिष्ठानक उपकुलपति विवेक आचार्य सहभागी छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय