मधेश प्रदेश सभा : बजेटलगायतक समस्या समाधान करबाक लेल कार्यदल गठन


जनकपुरधाम, २८ अखार: मधेश प्रदेश सरकारक आगामी आर्थिक वर्ष २०८३/८४ के बजेटलगायतक विषयमे देखाएल समस्या समाधान करबाक लेल कार्यदल गठन कएल गेल अइछ ।

मधेश प्रदेश सभाके आजुक बैसारमे सभामुख रामअशिष यादव आइएसँ काज प्रारम्भ करैजका प्रदेश सभा सदस्यसभ उपेन्द्र महतो, हरिनारायण महतो, जंगीलाल राय, प्रमोद कुमार यादव, सञ्जय कुमार यादव, बिमला अन्सारी तरुन्म आ सरिता कुमारी ठाकुर रहैजका कार्यदल गठन कएल गेल घोषणा केलैन । कार्यदल कार्यविधि अपने निर्माण करत ।

तहिना, आजुक बैसारमे प्रदेश सरकारक अर्थमन्त्री युवराज भट्टराई प्रदेश सरकारक विनियोजन विद्येयक २०८३ प्रस्तुत केलैन । तहिना, बैसारमे प्रदेश सभा सदस्य रविन्द्र श्रेष्ठ पेश कएने मधेश प्रदेश सभा नियमवलीके नियम १३५ के उपनियम (२) आ (३) निलम्बन करबाक प्रस्ताव बहुमतसँ स्वीकृत भेल सभामुख यादव घोषणा केलैन । उक्त दूनु उपनियम निलम्ब भेलाक बाद सभामुख यादव आजुक कार्यसूचीमे रहल अन्य विषयसभ हटौने छैथ ।

प्रदेश सभाके दोसर बैसार इएह अखार ३० गते मङ्गलदिन दुपहर १ बजे धैर स्थगित भेल अइछ ।

इएह अखार १ गते प्रदेश सरकार प्रस्तुत कएने विनियोजन विद्येयकपरके परामर्श करबाक लेल अखार १७ गते आह्वान कएने प्रदेश सभाके बैसारमे प्रतिपक्ष दल जनता समाजवादी पार्टी नेपाल, जनमत पार्टी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी बजेट संशोधनके माँगसहित बैसार अवरुद्ध कएलाक बाद सभामुख यादव बैसार दोसर सूचना नै भेलाधैरके लेल बैसार स्थगित कएने छलैन ।

मधेश प्रदेश सरकारक अर्थमन्त्री युवराज भट्टराई प्रदेश सभाके बैसारमे आगामी आर्थिक वर्ष २०८३/८४ मे कृषि नवप्रर्तन, उद्यमशीलता प्रवर्द्धन, शिक्षा, स्वास्थ्यकेँ प्राथमिकतामे राखैत ४१ अरब १३ करोड़ ८६ लाख टकाके बजेट प्रस्तुत कएने छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय