जापानिज इन्सेफ्लाइटिसः सप्तरी आ कैलालीमे चाइर गोटेके मृत्यु


सप्तरी, ४ भादब : सप्तरीमे जापानिज इन्सेफ्लाइटिसके कारण दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ । तिलाठी कोइलाडी गाउँपालिका–१ के ७४ वर्षीय सत्यनारायण यादव आ राजगढ गाउँपालिका–३ के १४ वर्षीय शिव कुमार रामके जापानिज इन्सेफ्लाइटिसके कारण मृत्यु भेल जिला स्वास्थ्य कार्यालयके स्वास्थ्य अधिकृत शतिश यादव जानकारी देलैन ।

दूनु गोटेके बितल साओन २१ गते इलाजक क्रममे मृत्यु भेल छल । यादवके बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान धरानमे आ रामके गोल्डेन हस्पिटल विराटनगरमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल कहैत स्वास्थ्य अधिकृत यादव जापानिज इन्सेफ्लाइटिससँ जिलामे अन्य तीन गोटे सङ्क्रमित भेल जानकारी देलैन । बेमारीसभ इलाजक बाद घर घुरल कहैत अधिकृत यादव सङ्क्रमितमध्ये दू गोटेके मृत्यु भेल उल्लेख केलैन ।

स्वास्थ्य अधिकृत यादव अखनके समयमे ई रोग नै लागए ओइ लेल मच्छरसँ बचनाइ आवश्यक भेल बतौलैन । साँझक समयमे घरसँ बाहर नै निकलए, खेतबारीमे काज करैत समय पूरे शरीर झापल कपड़ा पहिरए, सुतैतकाल मच्छरदानीके प्रयोग करबाकलगायत उपाय अपनौलापर अइ रोगसँ बइच सकबाक ओ बतौलैन ।

तहिना, कैलालीके घोडाघोडी नगरपालिकामे सेहो जापनिज इन्सेफ्लाइटिसके सङ्क्रमणसँ दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ । इलाजक क्रममे घोडाघोडी–४ आ ९ के दू गोटेके मृत्यु भेल नगरपालिकाके सिनियर अहेब मानबहादुर बोहरा जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार ३४ आ ७० वर्षीया महिलाके मृत्यु भेल अइछ ।

सिनियर अहेब बोहराके कहब अनुसार घोडाघोडीमे बितल तीन सालसँ जापनिज इन्सेफलाइटिसके सङ्क्रमित पुष्टि भ रहल अइछ । बितल आर्थिक वर्षमे वाड नं. ४ के एक गोटेमे सङ्क्रमण पुष्टि भेलाक बादो इलाजक बाद ओ स्वस्थ भेल छलैन । आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे वाड नं. ५ आ ६ के दू गोटेमे सङ्क्रमण पुष्टि भेल छल, तँ अइ साल सङ्क्रमणसँ दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय