नवरात्रके दोसर दिनः आइ ब्रह्मचारिणी देवीके पूजा


काठमाण्डू, २६ आसिन : आश्विन शुक्ल द्वितीया तिथी अर्थात् नवरात्रके दोसर दिन आइ ब्रह्मचारिणी देवीके पूजापाठ कएल जा रहल अइछ ।

दुर्गा भवानीके ९ रुपमध्यके दोसर ब्रह्मचारिणी हातमे कमल, अक्षमाला आ कमण्डल धारण कएने रहैत छैन ।

नवरात्रके पहिल दिन पूजा घरमे वैदिक विधिपूर्वक घटस्थापना क जन्ती राखल गेल छल । ओएह दिन दुर्गा देवीके पहिल रुप शैलपुत्रीके आह्वान क विधिपूर्वक पूजापाठ कएल गेल । तहिना, आइ दोसर दिन पूजा घरमे ब्रह्मचारिणी देवीकेँ आह्वान क विधिपूर्वक पूजापाठ कएल जा रहल अइछ ।

नवरात्रके ९ दिन घटस्थापना कएल गेल स्थानमे दुर्गा सप्तशती (चण्डी), श्रीमद्देवीभागवतलगायत देवी स्तोत्र पाठ कएल जाइत अइछ । नवरात्रके अवसरमे देवीके आराधना क पूजा कएलासँ शक्ति, ऐश्वर्य आ विद्या प्राप्त हेबाक धार्मिक विश्वास अइछ ।

नवरात्रमे देशभैरके शक्तिपीठमे पूजापाठ एवं दर्शन केनिहार श्रद्धालुसभक भीड़ लागल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय