रासस/एएफपी
नयाँ दिल्ली, २७ आसिन : भारतमे मतदाता सूचीमे हेरफेर भेल भेल आरोप लगाबैत निर्वाचन आयोग प्रमुखके राजीनामा माँग करैत प्रदर्शन भ रहल समय युवा नेतृत्वक कक्रोच जनता पार्टी (सिजेपी) के प्रमुख नेतासभकेँ प्रहरीले हिरासतमे लेलक अइछ । पार्टीके नेतासभ आइ नयाँ दिल्लीस्थित जन्तर मन्तरमे लगाएल गेल सुरक्षा घेरा तोइड़ क प्रवेश कएलाक बाद ओकरासभकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।
प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके सत्तारूढ भारतीय जनता पार्टीकेँ फाइदा हुअजका मतदाता सूचीमे हेरफेर कएल गेल विपक्षीसभक आरोप अइछ । विपक्षीसभ निर्वाचन आयोग प्रमुखके राजीनामा माँग करैत बितल समय सुरक्षा प्रतिबन्ध उल्लङ्घन क प्रदर्शन क रहल अइछ । यद्यपि, निर्वाचन आयोग अनियमितता भेल आरोप अस्वीकार कएने अइछ ।
दिल्ली प्रहरी सोमदिन जन्तर मन्तरकेँ आधिकारिक प्रदर्शनस्थलके सूचीसँ हटाएल गेल जनौने छल ।
सिजेपी सामाजिक सञ्जालमे अपन नेता सौरभ दास, आशुतोष रङ्का आ अजिङ्क्य सिन्देसहितक नेतासभकेँ प्रहरी हिरासतमे लेने जनौलक अइछ । दिप्के प्रधानमन्त्री मोदीकेँ सम्बोधन करैत प्रतिरोधकेँ कियो नै रोइक सकबाक बतौलैन ।
दिल्ली प्रहरी जन्तर मन्तरके विकल्पके रूपमे सोमदिन तीनटा आधिकारिक प्रदर्शनस्थल निर्धारण कएने छल । दशकोसँ प्रदर्शन होइत आएल जन्तर मन्तरमे सिजेपी सेहो अइसँ पहिने आन्दोलन कएने छल । उक्त पार्टीके प्रदर्शनके बाद परीक्षामे अनियमितता भेल विवादक कारण बितल जुलाईमे शिक्षामन्त्री पदसँ राजीनामा देने छलैन ।
अइ बीच, प्रधानमन्त्री मोदी आइ नयाँ दिल्लीमे आयोजित व्यापार सम्मेलनमे भारतकेँ ‘लोकतन्त्रकी जननी’ बतौलैन अइछ । देशमे विभिन्न विषयमे खुला बहस होबाक आ अलग दृष्टिकोणपर परामर्श करबाक ओ उल्लेख केलैन । मुदा, जारी विरोध प्रदर्शनबारे ओ कोनो प्रत्यक्ष टिप्पणी नै केलैन ।





