काठमाण्डू, १६ फागुन : सिन्धुपाल्चोकके भैरवकुण्ड अगलबगल केन्द्रबिन्दु बना क आइ भोरमे छ दशमलव एक म्याग्निच्युडके भूकम्प गेल अइछ ।
खानी तथा भूगर्व विभाग मातहतके राष्ट्रिय भूकम्प मापन तथा अनुसन्धान केन्द्रके अनुसार आइ भोर २ बजेर ५१ मिनेटमे भूकम्प गेल अइछ।
राजधानी काठमाण्डू आ अगलबगल क स्थानमे भूकम्पके धक्का महसुस कएल गेल छल । भूकम्पके धक्का पूर्वी नेपालक किछ जिलामे समेत महसुस कएल गेल अइछ । भूकम्पके कारण राइतके समयमे नीनमे रहल लोकसभ सेहो खुला स्थानमे भागल छलैथ। रासस





