रामनवमीमे सार्वजनिक छुट्टी


काठमाण्डू, ६ चैत : सरकार रामनवमीके दिन सार्वजनिक बिदा देबाक निर्णय केलक अइछ । इएह चैत ४ गतेके मन्त्रिपरिषद्के बैसारसँ ओइ निर्णय केलक अइछ ।
सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरुङ आइ सञ्चार तथा सूचनाप्रविधि मन्त्रालयमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ ई जानकारी देलैन अइछ । बैसारमे राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणके कार्यकारी प्रमुखमे बैतडीक दिनेश प्रसाद भट्टकेँ नियुक्त करबाक निर्णय कएल सरकारक प्रवक्ता गुरुङ बताैलैन ।

अर्घाखाँचीके यदुनाथ पौडेलकेँ जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिटेडके प्रबन्ध सञ्चालकमे नियुक्त करए जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिटेडके सञ्चालक समितिकेँ निर्देशन देबाक तथा सुर्खेतके पवित्रा सुवेदी आ मकवानपुरके रामशरण सापकोटाकेँ शिक्षक सेवा आयोगके सदस्यमे नियुक्ति करबाक निर्णय भेल ओ जानकारी देलैन अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय