सिरहा, ९ चैत: औरहीमे महायज्ञक नामपर दलित परिवारपर भेल जातीय भेदभावक घटनामे औरही गाउँपालिकाक अध्यक्ष शिवजी यादव आ ओहि ठामक पूर्व वाडध्यक्ष तथा जनमत पार्टीक नेता दिलीप यादवकेँ प्रहरी शुक्रके राइत नियंत्रणमे लेने अइछ।
मधेश प्रदेशक प्रहरी प्रमुख तथा प्रहरी नायब महानिरीक्षक लालमणि आचार्य कहलैथ “एहि दुनु व्यक्तिसँ पूछताछ कएल जा रहल छै। पीड़ितद्वारा जाहेरी आएलाक बाद ओइ अनुसार कानूनी प्रक्रिया आगाँ बढ़ाएल जाएत। ” इएह चैत १७ गतेसँ महायज्ञ करबाक योजना छल। एहि लेल सिरहा जिलाक औरही–५ निवासी दलित परिवार दीपक मलिक (डोम)क घर फागुन १० गते तोइड़ देल गेल। एहि घरकेँ तोड़बाक लेल गाउँपालिका अध्यक्ष शिवजी यादव अपन जेसीबी ल क स्वयं गेल छलाह। घर तोड़बाक बाद ओहि स्थानक माइट सेहो हटाएल गेल, जाहि कारणेँ जातीय भेदभावक आरोपर विरोध तीव्र भेल छल।
घटनाक प्रति संवेदनशीलता देखेबामे चूक कएल गेल कहि गृह मन्त्रालयद्वारा सिरहाक प्रमुख जिला अधिकारी बासुदेव दाहालकेँ ओहि दिन मन्त्रालय आनल गेल अइछ। राष्ट्रीय मानव अधिकार आयोग आ राष्ट्रीय दलित आयोग सेहो एहि घटनाक गम्भीरता बुझैत स्थलगत अनुगमन कएने छल। सांसदसभ प्रतिनिधि सभाक बैसारमे एहि घटनाक मुद्दा उठबैत बारम्बार संसदीय छानबीन समिति गठन करबाक मांग कएलक आ दोषीसभपर अविलम्ब कार्रवाही करबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन । रासस





