तीनकुने घटनाबारे उच्चस्तरीय न्यायिक आयोग गठन करबाक मांग


काठमाण्डू, १८ चैतः प्रतिपक्षी दलसभ राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा) वितल शुक्रदिन तीनकुनेमे भेल प्रदर्शनके क्रममे घटित घटनाबारे उच्चस्तरीय न्यायिक खोजबिन आयोग गठन करबाक मांग केलक अइछ ।

राप्रपा अध्यक्ष राजेन्द्र लिङ्देन ओइ घटनाप्रति दुःख व्यक्त करैत निष्पक्ष छानबिके मांग कएलैन । ओइ घटनामे जान गेल पत्रकार सुरेश रजक आ दोसर युवा सविन महर्जनकेँ शहिद घोषणा करबाक सेहो ओ मांग कएलैन ।

रास्वपाके कार्यबाहक प्रवक्ता मनिष झा तीनकुने घटनामे कोनो एकटा पक्षकेँ दोष द सरकार निकलए नै पाएत बतौलैन । “तीनकुनेके अराजकता आ उदण्डताके हमरासभ विरोध करैत छी, मुदा एहिमे कोनो एकटा पक्षमात्रे जिमेवार नै छै”, ओ कहलैन, “जान गेल युवा सविन महर्जनकेँ पाछूसँ गोली मारल गेल भिडियो आएल छै । ओ भाइगलो नै रहए, पत्थरो नै माइर रहल छलै । पत्रकार सुरेश रजकके मृत्यु सेहो शङ्कास्पद अइछ । ई घटनामे उच्चस्तरीय खोजबिन आयोगके मांग करैत छी ।”

सांसद झा सदन शालिन, भद्र आ संसदीय प्रणालीअन्तर्गत सदन चलाैक से चाइह रहल स्पष्ट कएलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय