लिपुलेक हमरासभक अइछ से चीनकेँ स्पष्ट कएने छीः प्रधानमन्त्री ओली


ललितपुर, २० भादबः नेपाल कम्युनिष्ट (एमाले) पार्टीके अध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली, नेपाली भूमि लिपुलेककेँ व्यापारिक मार्ग बनेबाक लेल चीन आ भारत बीच भेल सहमतिप्रति चीन समक्ष आपत्ति दर्ज करौने बतौलैन अइछ ।

भादब १४ गतेसँ १८ गतेधैर चीन भ्रमणके क्रममे चीनक राष्ट्रपति सी चिनफिङसँ भेल भेटवार्तामे हम उक्त विषयमे असहमति राखने ओ स्पष्ट केलैन ।

ललितपुरके सनराइज सभा हलमे आइसँ सुरु भेल पार्टीके दोसर विधान महाधिवेशनके उद्घाटन मन्तव्यमे अध्यक्ष ओली अइ बारेमे भारतसँ सेहो स्पष्ट बात राखैत आएल बतौलैन । चीनके ग्लोबल सेक्युरिटी इनिसियिटभ (जिएसआई) मे कोनो समर्थन नै कएने प्रधानमन्त्री ओली स्पष्ट केलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय