खेलाड़ीक नाममे हुलाक टिकट प्रकाशन


काठमाण्डू, २४ आसिनः हुलाक सेवा विभाग नेपाली क्रिकेट खेलाड़ीके तस्वीर अङ्कित हुलाक टिकट प्रकाशन केलक अइछ ।

उक्त हुलाक टिकटमे सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल आइ हुलाक सेवा विभागद्वारा आयोजित कार्यक्रममे टाँचा लगाैलैन अइछ।

विश्व हुलाक दिवस २०२५ क अवसरमे आइसीसी पुरुष विश्वकप आ आईसीसी महिला यु–१९ विश्वकप प्रतियोगितामे सहभागी खेलाड़ीके तस्वीर अङ्कित हुलाक टिकटमे टाँचा लगेबाक सङे प्रदर्शनी केलक अइछ ।

खेलकुदके माध्यमसँ अन्तर्राष्ट्रीय कुटनीतिक सम्बन्ध विस्तारमे महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएने नेपाली क्रिकेट खेलाड़ीके सम्मानक लेल हुलाक टिकट प्रकाशन कएल गेल विभाग जनौलक अइछ । विभाग २०८१ चैत्र १७ गतेके निर्णयअनुसार १० टकाके पाँच लाखप्रति हुलाक टिकट प्रकाशन केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय