काभ्रेपलाञ्चोक, २२ जेठः बेमौसमी वर्षा आ भुस्खलनके कारण दिन प्रतिदिन बिपी राजमार्ग अवरुद्ध भेलाक बाद काभ्रेपलाञ्चोकस्थित सड़कखण्डमे राइतके समयमे अनिश्चितकालीन बन्द आइसँ फेर वृद्धि कएल गेल अइछ । जिला सुरक्षा समितिके आजुक बैसार वर्षासहित जोखिमक कारण एक महिनासँ साँझ ५ः०० बजेसँ भोर ५ः०० तक दू घण्टा घटाए क अनिश्चितकालीन रूपमे राजमार्गमे आवागमन बन्द गराएल गेल अइछ ।
वैशाख २१ गते राइत वर्षाक कारण बिपी राजमार्गअन्तर्गत रोशी गाउँपालिका–७ स्थित लास्कोट आ घुमाउनेके बीचमे पाँचटा माइक्रो बसके ८९ यात्रीमे राइत उद्धार कएने छल । एकर भोरेसँ राइतके समयमे आवागमन बन्द कराबैत आएल अइछ । (रासस)





