गृहमन्त्रीसहित मन्त्रीसभद्वारा होल्डिङ सेन्टरके अवलोकन


काठमाण्डू, २८ अखार : गृहमन्त्री सुधन गुरुङसहित विभिन्न मन्त्रीसभ आइ भक्तपुरके खरिपाटीस्थित होल्डिङ सेन्टरके अवलोकन केलैन अइछ ।

मन्त्री गुरूङसहित सरकरक प्रवक्ता एवं शिक्षा तथा खेलकुदमन्त्री सस्मित पोख्रेल, भूमि व्यवस्था, सहकारी, सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासनमन्त्री प्रतिभा रावल, महिला, बालबालिका, लैङ्गिक तथा यौनिक अल्पसङ्ख्यक आ सामाजिक सुरक्षामन्त्री सीता वादी, स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहता आ युवा, श्रम तथा रोजगारमन्त्री रामजी यादव ओइ ठाम पहुँचल छलैथ ।

भूमि व्यवस्थामन्त्री रावल आवश्यक प्रक्रिया पूरा क लालपुर्जा देलाक बाद आबैबला दिनमे कियो प्रश्न नै करैजका सरकार काज क रहल बतौलैन । सुकुमबासी व्यवस्थापनक लेल किछ समय लागत से उल्लेख करैत ओ सरकार सुकुमबासी समस्याके दीर्घकालीन समाधान करैजका काज क रहल बतौलैन । सुकुमबासीके नामपर केकरो राजनीतिक नै करबाक लेल ओ आग्रह केलैन ।

मन्त्रीसभ सुकुम्बासीसभसँ परामर्श क तत्कालीन आ दीर्घकालीन व्यवस्थापनके बारेमे सरकारक तैयारीके बारेमे अवगत करौने गृहमन्त्रीके सचिवालय जनौलक अइछ ।

कीर्तिपुरस्थित होल्डिङ सेन्टर डुबानमे पड़लाक बाद ओइ ठाम रहल सुकुमबासीकेँ खरिबोटस्थित होल्डिङ सेन्टरमे स्थानान्तरण कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय