जल सम्पदाकेँ राष्ट्रिय समृद्धिके आधार बनाबए पड़तः अध्यक्ष यादव


काठमाण्डू, १० साओन : जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव जल सम्पदाकेँ राष्ट्रिय समृद्धिके आधार बनेबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।

आइ आयोजित नेपालक जलस्रोत क्षेत्रमे विकासक ढाँचा, सम्भावना तथा जलवायु परिवर्तनक कारण उत्पन्न चुनौतीमे केन्द्रित जलस्रोत विज्ञ महाजन यादवद्वारा लिखित पुस्तक ‘नेपालको जलस्रोत’ सार्वजनिक कार्यक्रममे पुस्तक लोकापर्ण करैत ओ उक्त आग्रह केलैन ।

नेपाल अन्य देशक तुलनामे जल सम्पन्न देश भेलाक बादो ओकर वैज्ञानिक, योजनाबद्ध आ राष्ट्रिय हितअनुकूल उपयोग नै भ सकल अध्यक्ष यादवके कहब छलैन । जलस्रोतकेँ केवल ऊर्जा उत्पादनमे मात्रे सीमित नै क कृषि, पिबैबला पाइन, सिँचाइ, उद्योग, वातावरण संरक्षण तथा समग्र आर्थिक रूपान्तरणसँ जोइड़ क दीर्घकालीन राष्ट्रिय रणनीति निर्माण करबापर ओ जोड़ देलैन ।

जलस्रोत विज्ञ तथा राजनीतिज्ञ सेहो रहल लेखक यादव पुस्तक तैयार करबाक उद्देश्य नेपालमे जल स्रोतसम्बन्धी नीतिगत बहसकेँ थप तथ्यपरक बनेबाक आ नीति निर्माता, अनुसन्धानकर्ता, विद्यार्थी तथा सरोकारवालाके लेल उपयोगी सन्दर्भ सामग्री उपलब्ध करोनाइ रहल बतौलैन ।

यादवके कहब अनुसार पुस्तकमे नेपालक जलस्रोत विकासके ऐतिहासिक पृष्ठभूमिसँ भविष्यके अवसर आ चुनौतीधैर विस्तृत विश्लेषण प्रस्तुत करैत जलवायु परिवर्तनक युगमे अपनाओल जाएबला नीतिगत तथा व्यावहारिक उपायसभकेँ सेहो समेटल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय