कांग्रेस महाधिवेशनके बन्द सत्र सुरु


काठमाण्डू, १९ आसिन : नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनके बन्दसत्र सुरु भेल अइछ ।

कांग्रेसक केन्द्रीय कार्यसमितिके आइ बैसल बैसारसँ बन्दसत्रमे पेस करैबला ‘एजेन्डा’ पारित कएलाक बाद विभिन्न समूहमे परामर्श सुरु भेल अइछ ।

तीनटा क्लस्टरमे विभाजन क बन्दसत्रमे परामर्श भ रहल अइछ । पहाड़, हिमाल आ मधेश तराईसहित तीन क्लस्टरमे विभाजन क बन्द सत्र सुरु भेल अइछ ।

सुरुआतमे पहाड़क बन्दसत्र सुरु भेल अइछ । बन्दसत्रके लेल हिमाल हल, पहाड़ हल आ तराई–मधेश हल निर्धारण कएल गेल अइछ । प्रदेश तथा विभिन्न समूहक प्रतिनिधिकेँ सम्बन्धित हलमे विभाजन कएल गेल अइछ ।

हिमाल हलमे कोशी प्रदेशक एक हजार एक सओ १७, कर्णाली प्रदेशक २ सओ ९९ आ गण्डकी प्रदेशक ७ सओ १५ सहित दू हजार ३ सओ ३१ प्रतिनिधि सहभागी अइछ । तहिना, पहाड़ हलमे बागमती प्रदेशक एक हजार २ सओ १७ आ लुम्बिनी प्रदेशक एक हजार नौसहित दू हजार २ सओ २६ प्रतिनिधि सहभागी अइछ ।

तराई–मधेश हलमे मधेश प्रदेशक एक हजार २ सओ ५६, सुदूरपश्चिम प्रदेशक ६ सओ ५०, जनसम्पर्क समितिके २ सओ ४५ आ भ्रातृ सङ्गठनके २ सओ २५ प्रतिनिधि सहभागी छैथ ।

बन्दसत्रमे सभापति गगन कुमार थापा प्रस्तुत कएने राजनीतिक प्रतिवेदन, महामन्त्री पेस कएने विधान तथा पार्टी सञ्चालनसम्बन्धी प्रस्ताव, उपसभापति पेस कएने समसामयिक प्रस्तावलगायत विषयमे परामर्श होबाक कांग्रेस जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय