रासस/एपी
नयाँ दिल्ली, २० आसिन : विवादास्पद मतदाता सूची संशोधनके विरोधमे मुख्य निर्वाचन आयुक्त ज्ञानेश कुमारके राजीनामा माँग करैत विपक्षी दल आ विभिन्न समूह प्रदर्शन करबाक तैयारी कएलाक बाद भारतके राजधानी नयाँ दिल्लीमे पैघ सङ्ख्यामे प्रहरी परिचालन कएल गेल अइछ ।
प्रदर्शनकारी प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके सत्तारूढ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) केँ फाइदा हुअजका मतदाता पञ्जीकरणमे फेरबदल कएल गेल आरोप लगाबैत मुख्य निर्वाचन आयुक्तके राजीनामा माँग केलैन । निर्वाचन आयोग आ सरकार कोनो गलत काज नै भेल स्पष्ट केलक अइछ ।
आजुक प्रदर्शन विद्यार्थी समूह, विपक्षी दल आ भारतक ‘कक्रोच’ युवा आन्दोलन बितल हप्तासँ करैत आएल लगभग दैनिक विरोध प्रदर्शनके निरन्तरता अइछ । संसद लग रहल निर्वाचन आयोगक कार्यालय बाहर सुरक्षाकर्मी ब्यारिकेड राइख क सुरक्षा व्यवस्था शख्त बनाएल गेल अइछ ।
भारत बितल साल बिहारमे भेल राज्य निर्वाचनसँ पहिने मतदाता सूचीके विशेष संशोधन सुरु कएने छल । उक्त अभ्यास अधिकांश राज्य आ सङ्घीय प्रशासित क्षेत्रमे विस्तार कएल गेल अइछ ।
आलोचकसभ संशोधन प्रक्रियामे झन्झट आ प्राप्त करबाक लेल कठिन कागजात माँग कएल गेलासँ लाखाे योग्य मतदाता सूचीसँ हइट सकबाक जोखिम रहल बताैलैन अइछ । निर्वाचन आयोगक तथ्याङ्कअनुसार किछ क्षेत्रमे संशोधनक बाद मतदाता सूची ३० प्रतिशतधैर कम हाेबाक देखल गेल अइछ ।
योग्य मतदाताके नाम कायम राखैत दोहरा आ अयोग्य नाम हटेबाक उद्देश्यसँ सूची संशोधन कएल गेल निर्वाचन आयोग जनौलक अइछ । विपक्षी दल आ अधिकारकर्मीसभ अइ प्रक्रियासँ वैध मतदाताकेँ मतदानक अधिकारसँ वञ्चित क सकत कहि चिन्ता व्यक्त केलक अइछ ।
निर्वाचन आयोग विरुद्धके अभियानमे ‘कक्रोच’ आन्दोलन सेहो सक्रिय अइछ ।





