काठमाण्डू, २७ आसिनः सूचना तथा सञ्चारमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिना नेपालक हुलाक सेवाकेँ व्यवस्थित, प्रभावकारी तथा गुणस्तरीय सेवाक रूपमे आगाँ बढ़ाओल जेबाक बतौलैन ।
हुलाक सेवा विभागद्वारा आइ एत आयोजित आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क वार्षिक प्रगति समीक्षा तथा अन्तरक्रिया कार्यक्रममे ओ विश्वभर हुलाकके अपन ऐतिहासिक महत्व तथा गाैरव रहल स्पष्ट केलैन ।
मन्त्री डा. तिमिल्सिना हुलाक सेवाक क्षमता वृद्धि करैत युगअनुकूल बनबैत राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रीय क्षेत्रमे प्रभावकारी सेवा प्रवाह केनिहार संस्थाक रूपमे विकास तथा विस्तार करबाक आवश्यकता रहल ताहिपर जोड़ देलैन ।
मन्त्री तिमिल्सिना कहलैन, “अन्तर्राष्ट्रीय स्तरपर कतौँ हुलाक सेवा बन्द नै भेल छै । एकर सेवामे परिवर्तन होइत आएल छै, ताहि कारण नेपालमे सेहो हुलाककेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल कर्मचारीक क्षमता वृद्धि, साधनस्रोतसँ सम्पन्न करब तथा दूरदराजक जनताधैर सेवा पहुँचेबाक काजमे सरकार लागल अइछ ।”
ओ हुलाक सेवामे नीतिगत सुधार तथा प्रचार-प्रसार आवश्यक रहल जनबैत अतिरिक्त हुलाकके कर्मचारीक सेवासुविधा बढ़ेबाक दिस सरकार सकारात्मक रहल जानकारी देलैन ।
विभागक महानिर्देशक मनमाया भट्टराई विभिन्न चुनौतीक बीच विभाग अपन जिमेवारीकेँ व्यवस्थित तथा द्रुत गतिसँ आगाँ बढ़ा रहल बतौलैन ।
१५२म विश्व हुलाक दिवसक अवसरमे उत्कृष्ट कार्यसम्पादन कएने घोषणा कएल गेल गोरखा, सल्यान, म्याग्दी तथा भक्तपुर हुलाक कार्यालयक प्रमुखसभ सम्मानित भेल छल । कार्यक्रममे हुलाक प्रशिक्षण केन्द्रक मुख्य प्रशिक्षक ध्रुवराज आचार्यकेँ नगदसहित पुरस्कृत कएल गेल अइछ। (रासस)





