प्रधानमन्त्री शाहके भारत भ्रमण आपसी सम्बन्ध विस्तार आ आर्थिक गतिविधिमे केन्द्रित रहत’


काठमाण्डू, ४ अगहन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहके अगिला रैबदिनसँ हुअबला दू दिनक भारतके राजकीय भ्रमणके क्रममे दू पक्षीय व्यापार, पारवहन, लगानी, ऊर्जा, सम्पर्क सञ्जाल तथा पूर्वाधार विकासलगायत क्षेत्रकेँ प्राथमिकता देल जाएत ।

प्रधानमन्त्री शाहके भारत भ्रमणबारे जानकारी देबाक उद्देश्यसँ आइ परराष्ट्र मन्त्रालयमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे उक्त मन्त्रालयके सचिव अमृत बहादुर राई आपसी सहयोग आ सहकार्यसहित विकास निर्माण एवं आर्थिक गतिविधिके विषयकेँ प्राथमिकता देबाक बतौलैन ।

परराष्ट्र सचिव राईके कहब अनुसार औपचारिक भ्रमणके अवसरमे दू देश बीच सम्पर्क सञ्जाल विस्तार तथा ऊर्जा सहकार्यसम्बन्धी सम्पन्न विभिन्न परियोजनाके उद्घाटन तथा नयाँ परियोजनासभक शिलान्यास करबाक कार्यक्रम अइछ ।

तहिना, शिक्षा, स्वास्थ्य, कृषि, खेलकुद, विपद व्यवस्थापन, मानव संसाधन विकासजेहन सहकार्यक विविध क्षेत्रसँ सम्बन्धित समझदारीपत्रसभ (एमओयु) सेहो आदानप्रदान करबाक सचिव राई जानकारी देलैन । अइसँ दूनु देशक प्राथमिकता प्राप्त क्षेत्रमे आपसी सहकार्य थप विस्तार होबाक विश्वास कएल गेल अइछ ।

नेपालमे भारतीय लगानी आकर्षित करबाक उद्देश्यसँ नेपाल–भारत ‘बिजनेस फोरम’के सेहो आयोजन कएल जाएत । उक्त फोरममे भारतीय व्यवसायीके जिज्ञासा तथा सरोकार सम्बोधनके प्रयास कएल जाएत । तहिना, ओकरासभकेँ नेपालमे लगानीके लेल अनुरोध कएल जाएत । तहिना, भारतीय लगानी थप आकर्षित करबाक लेल अवलम्बन कएल गेल नीतिगत दृष्टिकोण तथा प्रयाससभ प्रस्तुत कएल जाएबला उक्त कार्यक्रम नेपाली आ भारतीय व्यवसायी बीच सहकार्यके ‘सेतु’ बनत से अपेक्षा कएल गेल अइछ ।

प्रधानमन्त्री शाहके राजकीय भ्रमणप्रति उत्साहित बनल नेपालक निजी क्षेत्रके सेहो प्रतिनिधित्व हएत । अपने खर्चमे निजी क्षेत्रक उद्यमी–व्यवसायी सम्मिलित ५२ सदस्यीय टोली प्रधानमन्त्रीके भ्रमण दलमे सहभागी हएत ।

“नेपाल–भारत बीच सदिओसँ कायम रहल मित्रवत् सम्बन्धकेँ आओर सुदृढ़ करैत सहकार्य आ सहयोगात्मक साझेदारीके भावनाअनुरूप दूनु देशक प्रधानमन्त्री बीच पारस्परिक हित आ जिज्ञासाके समग्र विषयमे परामर्श हएत”, सचिव राई कहलैन ।

प्रधानमन्त्री शाहके अगहन ७ गते सोमदिन भारतक राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मुसँ शिष्टाचार भेट करबाक कार्यक्रम छैन । तहिना, ओएह दिन प्रधानमन्त्री शाहके अपन भारतीय समकक्षी नरेन्द्र मोदीसँ प्रतिनिधिमण्डलस्तरीय वार्ता करबाक कार्यक्रम रहल परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

रैबदिन प्रधानमन्त्री शाहसँ भारतीय विदेशमन्त्री डा.एस जयशङ्करके शिष्टाचार भेट करबाक कार्यक्रम छैन । ओएह दिन प्रधानमन्त्री शाहके नयाँदिल्लीके राजघाटस्थित महात्मा गान्धीके समाधिस्थलपर श्रद्धासुमन अर्पण करबाक कार्यक्रम सेहो छैन ।

प्रधानमन्त्री शाह नेतृत्वक प्रतिनिधिमण्डलमे अर्थमन्त्री डा स्वर्णिम वाग्ले, परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल, प्रधानमन्त्रीका मुख्य सल्लाहकार कुमार बेन्जनकार, राजनीतिक सल्लाहकारसहित उच्चपदस्थ अधिकारी, व्यवसायी आ पत्रकारलगायत ३४ सदस्यीय टोली रहबाक परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

प्रधानमन्त्री शाहके अइ भ्रमणकेँ देशक राजनीतिक, कूटनीतिक एवं बौद्धिक क्षेत्र महत्वपूर्ण रुपमे लेने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय