प्रधानमन्त्री शाह आ भारतीय प्रधानमन्त्री मोदीद्वारा जनकपुरधाम–अयोध्या रेल सेवा उद्घाटन


कमल कुमार बस्नेत/रासस
नवी दिल्ली (भारत), ७ अगहन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह तथा भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी जनकपुरधाम–अयोध्याबीच चलैबला रेल सेवाक संयुक्त रूपसँ उद्घाटन केलैन।

भारतके राजकीय भ्रमणमे रहल प्रधानमन्त्री शाह तथा भारतीय प्रधानमन्त्री मोदी आइ भर्चुअल माध्यमसँ झण्डा देखा क रेल सेवाक उद्घाटन केलैन।

अयोध्यासँ जनकपुरधामधैर लगभग ६०४ किलोमीटर दूरी रेलसँ करीब १९ घण्टामे पूरा हएत । उत्तर प्रदेश तथा बिहारक विभिन्न शहरसँ आबैबला अइ रेल सेवासँ धार्मिक पर्यटन प्रवर्द्धनक सङे दुनू देशबीचक सीमापारक आवागमन सहज होबाक एहन अपेक्षा अइछ।

‘जनकपुरधाम–अयोध्या क्यान्ट एक्सप्रेस’ नाम देल गेल ई रेल भारतक बिहारमे रहल जयनगर रेलवे स्टेशन होइत नेपाल प्रवेश करत। अइ रेलसँ जनकपुरधाम, जयनगर, मधुबनी, सिशो, सीतामढ़ी, रक्सौल, नरकटियागञ्ज, गोरखपुर, बस्ती, मनकापुर, अयोध्याधाम तथा अयोध्या क्यान्ट स्टेशनपर यात्री चढ़त आ उतरि सकत।

रेल सेवा सप्ताहमे एक दिन दुनू दिस चलत। जनकपुरधामसँ अयोध्या क्यान्ट जाएबला रेलके नम्बर १५५९५ तथा अयोध्या क्यान्टसँ जनकपुरधाम आबैबला रेलक नम्बर १५५९६ छै।

जनकपुरधामसँ अयोध्या जाएबला रेल शैनदिन दुपहर १।१० पर प्रस्थान करैत रैवदिन भोरे अयोध्या क्यान्ट पहुँचत। तहिना अयोध्या क्यान्टसँ सोमदिन साँझ ५।५० पर चलैबला रेल मंगलदिन दुपहर १२।४० मिनेटपर जनकपुरधाम पहुँचत।

अयोध्या भगवान रामक जन्मस्थल तथा जनकपुरधाम माता सीताक जन्मस्थलक रूपमे धार्मिक महत्व रखने अइछ। नवका रेल सेवासँ धार्मिक पर्यटक, परिजनसँ भेटबाक लेल यात्रा केनिहार व्यक्ति, विद्यार्थी तथा व्यवसायी लाभान्वित होबाक आ पर्यटन व्यवसायकेँ सेहो सहयोग भेटबाक अपेक्षा अइछ।

एहिसँ पहिने भारतसँ रेलमार्फत जनकपुरधाम जाएबला यात्री बिहारके जयनगरसँ सीमा प्रक्रिया पूरा कएलाक बाद नेपाल दिसके रेलपर चढ़ैत छल। नवका सेवामे आवश्यक सीमासम्बन्धी जाँच पूरा कएलाक बाद एके रेलमे यात्रा करबाक राखबाक सुविधा भेटत।

ताजा खबर
लोकप्रिय