अयोध्यासँ आएल चाइर सओ तीर्थयात्रीके स्वागत


जनकपुरधाम, ८ अगहन : जनकपुरधाम तथा अयोध्या बीच धार्मिक तथा सांस्कृतिक सम्बन्धकेँ आओरो मजबूत बनेबाक उद्देश्यसँ सञ्चालित अयोध्या–जनकपुरधाम रेल सेवामार्फत एत आएल लगभग ४०० गोटे भारतीय तीर्थयात्रीक भव्य स्वागत कएल गेल अइछ।

नेपाल रेल्वे कम्पनी जनकपुरधाम रेल्वे स्टेशनमे आयोजित स्वागत तथा सम्मान कार्यक्रममे तीर्थयात्रीसभकेँ युवा, श्रम तथा रोजगारमन्त्री रामजी यादव तथा मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव स्वागत केलैन।

ओहि अवसरमे श्रममन्त्री यादव कहलैन जे जनकपुरधाम–अयोध्या रेल सेवा दुनू देशबीचक ऐतिहासिक, धार्मिक तथा सांस्कृतिक सम्बन्धकेँ आओरो मजबूत करबाक महत्वपूर्ण माध्यम अइछ।

नेपाल–भारतबीचक अइ रेल सेवामार्फत धार्मिक पर्यटन प्रवर्द्धन तथा व्यापार, रोजगार एवम् उद्यमशीलताक नवका अवसर उत्पन्न होबाक विश्वास व्यक्त केलैन।

जनकपुरधाम तथा अयोध्या बीचके सम्बन्ध केवल यातायातधैर सीमित नै बल्कि पारिवारिक, सांस्कृतिक, धार्मिक तथा भावनात्मक सम्बन्ध रहल उल्लेख करैत ओ कहलैन जे सरयू–कमला एक्सप्रेस दुनू देशक नागरिक बीचके आत्मीयता आओरो मजबूत करत।

ओ कहलैन, “अयोध्या आ जनकपुरधाम बीचके सम्बन्ध दू शहरके सम्बन्ध मात्र नै छै। ई बेटी–जमाए, परिवार, संस्कृति, परम्परा, आस्था तथा आत्मीयताक सम्बन्ध अइछ।”

श्रममन्त्री यादव विवाहपञ्चमी महोत्सव लग आएल समय अयोध्यासँ जनकपुरधाम आबैबला भक्तजनकेँ रेल सेवासँ आवागमनमे सहजता हएत, कहलैन।

मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री यादव अयोध्या–जनकपुर रेल सम्पर्क विस्तारसँ दुनू देशबीचक यातायात सहकार्य, धार्मिक पर्यटन तथा आर्थिक विकासकेँ आओरो गति मिलबाक विश्वास व्यक्त केलैन। ऐतिहासिक रेल सेवा सञ्चालनक पहल लेल दुनू देशक प्रधानमन्त्री तथा सम्बन्धित निकायप्रति ओ आभार व्यक्त केलैन।

नेपाल तथा भारतबीचक ‘बेटी–रोटी’ सम्बन्धकेँ व्यवहारमे सहज बनेबाक लेल सीमापार आवागमनमे अवरोध हटेबाक विषयपर मुख्यमन्त्री यादव जोड़ देलैन।

जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्त रामरोशन दास कहलैन जे भगवान श्रीराम तथा माता सीताक वैवाहिक सम्बन्धसँ जुड़ल दुनू धार्मिक नगरकेँ रेलमार्गसँ जोड़बाक पहल दुनू देशक नागरिक लेल ऐतिहासिक उपलब्धि अइछ।

विश्व हिन्दू परिषद नेपालक प्रदेश सङ्गठन सचिव जङ्गबहादुर सिंह कहलैन जे रेल सेवासँ धार्मिक, सामाजिक तथा आर्थिक क्षेत्रमे दुनू देशकेँ लाभ भेटत तथा नागरिकबीचक आपसी सम्बन्ध विस्तारमे सहयोग हएत ।

नेपाल रेल्वे कम्पनीक प्रबन्ध सञ्चालक परिवेश पराजुलीअनुसार ‘सरयू–कमला एक्सप्रेस’ नाम देल गेल रेल १७ टा डब्बासहित आइ भोरे ९ बाइज क १५ मिनेटमे जनकपुरधाम रेल्वे स्टेशन पहुँचल छल। रेलमे सवार भारतीय रेल्वे कम्पनीक प्रतिनिधि तथा तीर्थयात्रीसभकेँ गमछी तथा मालासँ स्वागत एवम् सम्मान कएल गेल अइछ।

तीर्थयात्रीक स्वागत लेल सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो आयोजित कएल गेल छै। हुनकासभक लेल जानकी मन्दिरलगायत धार्मिक स्थलमे पूजा तथा दर्शनक व्यवस्था मिलाएल गेल अइछ।

स्वागत तथा सम्मान आ धार्मिक स्थलसभक दर्शनक बाद तीर्थयात्रीसभकेँ आइए विदाइ कएल जेबाक प्रबन्ध सञ्चालक पराजुली जानकारी देलैन।

नेपाल तथा भारत सरकारक सहयोगसँ आधुनिक ब्रोडगेज रेलमार्ग निर्माण तथा विस्तार भेलाक बाद सन् २०२२मे जयनगर–कुर्था रेल सेवा फेर सञ्चालनमे आएल छल। तकर एक साल बाद कुर्थासँ भङ्गहा–बिजलपुराधैर सेवा विस्तार कएल गेल छल। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय