जनकपुरधाम, १८ पुस : मधेश प्रदेश सरकार प्रदेश सभाके चारिम अधिवेशन आह्वान करबाक लेल मधेश प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारी समक्ष सिफारिश केलक अइछ ।
मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंहके अध्यक्षतामे सम्पन्न मन्त्रीपरीषद् बैसारमे इएह पुस २३ गते अधिवेशन आह्वान करबाक निर्णय कएल जनौलक अइछ । बैसार नेपालके संविधानक धारा १८३ के उपधारा (१) वमोजिम प्रदेशसभाके प्रथम अधिवेशन पुस २३ गते मङ्गलदिन दुपहर एक बजे आह्वान करबाक लेल प्रदेश प्रमुख भण्डारी समक्ष सिफारिशके निर्णय भेल मुख्यमन्त्री सिंह जानकारी देलैन अइछ । सरकारक सिफारिशमे प्रदेश प्रमुख प्रदेशसभाक बैसारके लेल नयाँ अधिवेशन आह्वान कएल जेबाक सवैधानिक व्यवस्था अइछ । प्रदेशसभामे विपक्षी पार्टी प्रदेशसभा बैठक बोलेबाक आह्वान करैत आएल अइछ ।





