संसदीय टोलीद्वारा विपद प्रभावित क्षेत्रके अवलोकन


काठमाण्डू, २१ आसिन : प्रतिनिधि सभाअन्तर्गतके ‘हिमालमे जलवायु परिवर्तनके प्रभाव, जलवायु न्याय तथा भोटेकोशी–त्रिशूली विपदसम्बन्धी संसदीय विशेष समिति’ विपदसँ प्रभावित क्षेत्रके स्थलगत अध्ययन केलक अइछ ।

समितिके सभापति गणेश पराजुलीके टोली नुवाकोटके विदुर नगरपालिका क्षेत्रसँ विपद बादके वस्तुगत अवस्थाके अध्ययन सुरु केलक अइछ । विदुरस्थित नेपाली सेनाके ब्यारेकमे विपद व्यवस्थापन तथा समवंयमे खटल तीनू तहके सरकारक प्रतिनिधिसँ टोली विपद आ विपद बादके वास्तविक वस्तुस्थितिबारे जानकारी लेने सभापति पराजुली बतौलैन ।

स्थलगत अध्ययनक क्रममे खोज तथा उद्धार, राहत तथा अस्थायी आश्रय, आधारभूत सेवा तथा सम्पर्क सञ्जालके पुनःस्थापना, सुरक्षित पुनःस्थापना तथा पुनर्वास आ दीर्घकालीन पुनर्निर्माण तथा जोखिम न्यूनीकरणके विषयमे स्थानीय तहके प्रतिनिधिसँ सुझाव सङ्कलन कएल गेल ओ बतौलैन ।

“खोज, उद्धार आ राहतमे संघीय सरकार तथा सम्बन्धित निकाय देखौने तत्परताप्रति स्थानीय जनप्रतिनिधि खुइल क प्रशंसा केलैन”, ओ कहलैन, “आब आधारभूत सेवा तथा सम्पर्क सञ्जालके पुनःस्थापनामे प्रभावकारी तत्परता देखाबए आ तत्काल कानुन संशोधन क सम्बोधन करैबला विषयमे ओसभ आग्रह केलैन ।”

विपद बादके तत्कालीन अवस्थाके अध्ययनसहित पुनस्र्थापना, पुनर्वास तथा पुनर्निर्माणक क्रममे अपनाएल जाएबला उपाय आ आबैबला समयमे विपद जोखिम न्यूनीकरणके लेल आवश्यक विधि तथा नीतिगत व्यवस्थाबारे समिति सुझाव सङ्कलन क रहल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय