उदयपुर (गाइघाट), ८ माघः गृहमन्त्री रमेश लेखक सप्तकोशी नदीक कटान रोकबाक लेल तत्काल अस्थायी आ दीर्घकालीन योजना बनाबक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन।
उदयपुरक बेलका नगरपालिकाके क्षेत्रमे सप्तकोशी नदीक कटान क्षेत्रके अनुगमनक क्रममे ओ एहि विषयमे आवश्यक पहल करबाक बताैलन । गृहमन्त्री लेखक कहलैन, “सप्तकोशीक कटान रोकबाक लेल अस्थायी आ दीर्घकालीन योजना बनाएब।” ओ तत्काल विपद् व्यवस्थापन विभागक सहायतासँ अस्थायी योजना संचालित क कटान रोकबाक प्रयास करब कहलैथ। दीर्घकालीन समाधानक लेल भारतकसँ सहमत क आगू बढ़ेबाक योजना रहल बताैलैन ।
गृहमन्त्री लेखक बेलका नगरपालिका–८ स्थित सिसौली, सप्तकोशी पुल क्षेत्रक लाहुरेखोँज आ वाड नं ७ क कोठु क्षेत्रमे कटान क्षेत्रक निरीक्षण केलैन। ओ कहलैथ जे सप्तकोशी पुलसँ तीन किलोमीटरधैर अस्थायी तटबन्धक योजना बइन रहल अइछ, सप्तकोशी पुलसँ ११ किलोमीटर निचाँ सप्तरी क्षेत्रधैर स्थायी कटान रोकथामके योजना तैयारी कएल जा रहल अइछ। गृहमन्त्रीक सङ नेपाली कांग्रेसक नेता आ उदयपुर निर्वाचन क्षेत्र नं १ क सांसद डा. नारायण खड्कासेहो कटान क्षेत्रके अनुगमन केलैन।
बेलका नगरपालिकाक नगरप्रमुख अशोक कार्की कहलैथ “सप्तकोशी नदीक बाइढ़ प्रतिवर्ष तटीय क्षेत्रमे कटान करैत आइब रहल अइछ, जइसँ सैकड़ों परिवार विस्थापित भ रहल अइछ। तत्काल तीन किलोमीटरक उच्च जोखिम क्षेत्रमे अस्थायी तटबन्धक योजना एहि वर्षसँ शुरू करबाक लेल गृहमन्त्रीक ध्यानाकर्षण कएल गेल अइछ।” गृहमन्त्री लेखक सप्तकोशीक निरीक्षणक बाद त्रियुगा नदीक कटान क्षेत्रक सेहो अनुगमन कएल गेल सांसद डा. खड्का जानकारी देलैन।





