वीरगञ्ज नाकासँ सात महिनामे आठ अरब ६८ करोड़़ टकाके धान-चाउर आयात


पर्सा, १८ फागुनः वीरगञ्ज नाकासँ चालू आर्थिक वर्षके सात महिनामे आठ अरब ६८ करोड़़ टकाके २२ करोड़ ६४ लाख आठ हजार दू सओ २९ किलोग्राम धान आयात भेल अइछ।
बितल वर्षके सात महिनाके तुलनामे चालू वर्षके एहि अवधिमे धानके आयात ७२ प्रतिशत बढ़ल अइछ। वितल वर्ष एहि अवधिमे ई नाकासँ चाइर अरब ९१ करोड़ टकाके १३ करोड़ १८ लाख ५९ हजार चाइर सओ १६ किलोग्राम धान आयात भेल छल। वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी अमित तिवारी कहलैन जे चालू वर्षके सात महिनामे धान आ चाउरके आयात बढ़ल अइछ।
“गत वर्षके सात महीनाके तुलनामे चालू वर्षके एहि अवधिमे धान-चाउरके आयात बढ़ल अइछ।” कृषिप्रधान देश नेपालमे धान मात्रे नै, बल्कि चाउर सेहो विदेशी देशसभसँ आयात भ रहल अइछ।
चालू वर्षके सात महिनामे ई नाकासँ एक अरब ३५ करोड़़ टकाके एक करोड़़ ३३ लाख ७४ हजार आठ सओ २६ किलोग्राम चाउर आयात भेल अइछ। जे वितल वर्षके एहि अवधिमे एक अरब छ करोड़ टका मूल्यके ८१ लाख १७ हजार एक सओ ३० किलोग्राम चाउर आयात भेल छल।
चालू वर्षके सात महिनामे दू अरब ९६ करोड़ टका मूल्यके पाँच करोड़ ७७ लाख १४ हजार पाँच सओ ८३ किलोग्राम मकैँ आयात भेल अइछ। जे वितल वर्षके एहि अवधिमे दू अरब ९७ करोड़ टकाके छ करोड़़ ६० लाख ४९ हजार नौ सओ ७२ किलोग्राम मकै आयात भेल छल। वितल वर्षके तुलनामे चालू वर्षके एहि अवधिमे मकैके आयातमे सामान्य गिरावट देखा रहल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय