मतदाता सूची विवादमे कक्रोच आन्दोलन


नयाँ दिल्ली, (रासस/एपी) :
भारतके ‘कक्रोच’ युवा आन्दोलन विवादास्पद मतदाता सूची काटछाटके विरोध करैत मुख्य निर्वाचन आयुक्त ज्ञानेश कुमारके राजीनामा माँग करैत शुक्रदिन मुम्बईमे प्रदर्शन केलक अइछ । निर्वाचन प्रक्रिया, सरकारी जवाफदेही तथा लोकतान्त्रिक संस्थासम्बन्धी विषयकेँ सेहो अइ अभियानमे समेटल गेल अइछ ।

अनलाइन अभियानक रूपमे शुरू भेल उक्त आन्दोलन अइसँ पहिने युवा बेरोजगारी तथा परीक्षाक प्रश्नपत्र लीकके विरोधमे व्यापक प्रदर्शन कएने छल । तकर बाद शिक्षामन्त्रीके प्रधानके राजीनामा आएल छल ।

मतदाता सूचीके ‘विशेष गहन संशोधन’ (एस आइ आर) केँ कारण निर्वाचन आयोगपर दबाव बढ़ल अइछ । आलोचक तथा विपक्षी दलसभ प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके नेतृत्ववाला भारतीय जनता पार्टीकेँ हिसाबसँ मतदाता सूचीमे परिवर्तन कएल गेल आरोप लगौने छैथ । निर्वाचन आयोग तथा सरकार कोनो गलत काज नै भेल से कहैत आएल अइछ ।

तीन सदस्यीय निर्वाचन आयोगके दू गोटे आयुक्त मतदाता सूची संशोधन, दर्ता प्रक्रिया तथा डिजिटल प्रणालीसम्बन्धी किछु निर्णयपर आपत्ति जनौने ‘इन्डियन एक्सप्रेस’ उल्लेख कएने छल । आयोग ओइ बातकेँ औपचारिक लिखित आपत्ति नै, बल्कि आयुक्तसभके ‘भिन्न विचार तथा बातचित’क रूपमे व्याख्या कएने छल ।

बिहारसँ शुरू भेल मतदाता सूची संशोधन अधिकांश राज्य तथा संघीय प्रशासित क्षेत्रमे विस्तार भेल अइछ । आलोचकसभ आवश्यक कागजात जुटाएब कठिन रहलासँ लाखौँ योग्य मतदाताके नाम सूचीसँ हटल से बतौलैन । निर्वाचन आयोग दोहराएल नाम तथा अयोग्य नाम हटाक योग्य मतदाताकेँ सूचीमे कायम राखब संशोधनक उद्देश्य रहल बतौलैन ।

अभिजीत दिप्केके नेतृत्वमे प्रश्नपत्र लीक विरुद्धके आन्दोलनसँ राष्ट्रिय स्तरपर चर्चामे आएल कक्रोच आन्दोलन आब शिक्षा क्षेत्रके बाहर निर्वाचन प्रक्रिया तथा लोकतान्त्रिक संस्थासम्बन्धी विषयकेँ सेहो अपन अभियानमे समेटने अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय