जितियासँ आपसी सम्मान तथा सद्भाव कायम होइत अइछ: राष्ट्रपति पौडेल


काठमाण्डू, १७ आसिनः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल जितिया पावैनके माध्यमसँ नेपाली समाजमे आपसी सम्मान, सद्भाव, पारिवारिक एकता तथा प्रेम, महिलाप्रतिक श्रद्धा तथा आस्था, मौलिक संस्कृतिक संरक्षण तथा प्रवर्द्धन होइत आएल बतौलैन अइछ।

जितियाक अवसरमे आइ सम्पूर्ण नेपालीकेँ सुख, शान्ति तथा समृद्धिक लेल शुभकामना दैत अइ पावैनसँ आपसी सहिष्णुताक भावना जागृत होबाक तथा नेपालक विविधताक संरक्षण भ रहल अनुभव होइत अइछ से उल्लेख केलैन अइछ ।

राष्ट्रपति पौडेलद्वारा जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल छै, “जितिया पावैन विशेष रूपसँ नेपालक तराई क्षेत्रमे रहनिहार मधेशी, थारु तथा अन्य समुदायके महिलासभद्वारा अपन सन्तान तथा परिवारजनके दीर्घायु, सुस्वास्थ्य, सुख, शान्ति तथा समृद्धिक कामना करैत जिमुतवाहनक श्रद्धापूर्वक पूजा-आराधना क मनाएल जाएबला महत्वपूर्ण सांस्कृतिक पावैन अइछ ।”

राष्ट्रपति पौडेल बहुजातीय, बहुभाषिक, बहुधार्मिक तथा बहुसांस्कृतिक विविधतासँ सम्पन्न अपन देशमे एहन मौलिक पावैनसभ अलगे पहचान स्थापित करैत आएल से बतौलैन ।

नेपाली मौलिक सांस्कृतिक सम्पदाक संवर्द्धन करैत संस्कारयुक्त आदर्श सामाजिक वातावरण सृजना करबाक तथा सदाचारयुक्त जीवनशैली अपनेबाक लेल अइ पावैनकेँ सम्मानपूर्वक निरन्तरता देबाक आवश्यकता रहल हुनक कहल अइछ । राष्ट्रपति पौडेल अइ पावैनसँ सबहक जीवनमे सुख, शान्ति तथा समृद्धि आओत आ आपसी सद्भाव तथा सहिष्णुता कायम करबाक लेल सफलता भेटय, से कामना केलैन ।

ताजा खबर
लोकप्रिय