जनकपुर, ३ चैतः सशस्त्र प्रहरी बल भारतसँ अवैध रूपमे आयात होएबला उजरका अण्डा बरामद क तीव्र गतिसँ नष्ट क रहल अइछ ।
मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह अवैध ढङ्ग आबैबला अण्डा, चल्ला, तैयारी मूर्गा, मूर्गाके मासु, क्रेट, कार्टुन आ भ्याक्सिनके ओसारपसार नियन्त्रण करए लेल प्रदेशस्थित उच्चपदस्थ सुरक्षा अधिकारीकेँ निर्देशन देने छलैथ । तकर बाद सशस्त्र प्रहरी बल वितल फागुनमे ३२४ क्यारेट उजरका अण्डा बरामद क नष्ट कएल जनौलक अइछ । सङे इएह चैत २ गते ४५ क्यारेट उजरका अण्डा महोत्तरीमे बरामद क नष्ट कएल सशस्त्र प्रहरी बल मधेश प्रदेश छिन्नमस्ता बाहिनी नम्बर २ मुख्यालयके प्रमुख एवम् सशस्त्र प्रहरी नायब महानिरीक्षक कालीदास धौवजी बताैलैन । ओ सशस्त्र प्रहरी बल नियमित रूपमे करैत आएल उजरका अण्डा ओसारपसार नियन्त्रण कार्यकेँ अभियानेके रूपमे शुरु कएल गेल बताैलैन । भारतसँ अवैध रूपमे आबैबला वस्तुक कारण व्यवसायमे समस्या भेल, भारतक विभिन्न प्रान्तमे देखा रहल बर्डफ्लु संक्रमण होएबाक जोखिम उच्च भेलासँ पोल्ट्रीजन्य पदार्थके अवैध आयात नियन्त्रण लेल नेपाल लेयर्स मूर्गापालक सङ्घ बुधदिन मुख्यमन्त्री सिंहके ध्यानाकर्षण करौने छल ।






