रासस/एपी
लाबुआन बाजो, ३१ साओन : इन्डोनेसियाके पूर्वी क्षेत्रमे गेल शक्तिशाली भूकम्पमे ४७ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।
भूकम्पमे एक सओ गोटेसँ बेसी घायल भेल अइछ, तँ एक हजारसँ बेसी नागरिक विस्थापित भेल अइछ ।
राष्ट्रिय विपद व्यवस्थापन निकाय अनुसार मङ्गराई क्षेत्रमे २४ आ पूर्वी मङ्गराईमे १७ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । सिक्का, न्गाडा आ एन्डे क्षेत्रमे सेहो मानवीय क्षति भेल जनाओल गेल अइछ ।
फ्लोरेस टापुके छटा क्षेत्रमे भूकम्पके बाद भेल भूस्खलनमे लोकसभ फसल होबाक आशङ्कामे उद्धारकर्ता खोजी काज क रहल अइछ ।
अमेरिकी भूगर्भ सर्वेक्षण (युएसजीएस) अनुसार सात दशमलव सात म्याग्निच्युडके भूकम्प पूर्वी नुसा तेङ्गारा प्रान्तके एन्डेसँ उत्तर–उत्तरपश्चिमदिस ६८ किलोमिटर दूर केन्द्रबिन्दु बना क गेल छल । भूकम्पके केन्द्र समुद्रके सतहसँ करिब १० किलोमिटर गहिर छल ।
विपद व्यवस्थापन निकाय अनुसार भूकम्पसँ ९ सओसँ बेसी घर ध्वस्त भेल अइछ, तँ करिब ४ सओ ५० घरमे क्षति भेल अइछ । करिब पाँच हजार लोकसभ अस्थायी आश्रयस्थलमे रहबाक लेल बाध्य अइछ ।
राहतकर्मी चाओर, तैयारी खाना, पिबैबला पाइन, कम्बल आ दवाइ वितरण सुरु कएने अइछ । विस्थापितके लेल आपत्कालीन आश्रयस्थल निर्माण भ रहल अइछ ।
भूकम्पके उच्च जोखिममे इन्डोनेसिया
सत्र हजारसँ बेसी टापु रहल इन्डोनेसिया प्रशान्त महासागरके ‘रिङ अफ फायर’ क्षेत्रमे पड़ैत अइछ । अइ क्षेत्रमे सक्रिय ज्वालामुखी आ फल्ट लाइनसभ भेलासँ देश भूकम्प तथा ज्वालामुखी गतिविधिके उच्च जोखिममे अइछ ।
सन् १९९२ मे फ्लोरेस क्षेत्रमे आएल शक्तिशाली भूकम्पके बादक सुनामीमे करिब दू हजार ५ सओ गोटेके मृत्यु भेल छल ।
सन् २०१८ मे सात दशमलव पाँच म्याग्निच्युडके भूकम्पके बाद आएल सुनामी आ ओइसँ भेल भू–तरलीकरणके कारण पालु सहरमे पैघ विनाश भेल छल । उक्त विपदमे चाइर हजार ४ सओसँ बेसी गोटेके मृत्यु भेल छल ।
सन् २००४ के डिसेम्बरमे इन्डोनेसियाके सुमात्रा टापु लग नौ दशमलव एक म्याग्निच्युडके भूकम्पके बाद आएल विनाशकारी सुनामीसँ हिन्द महासागर क्षेत्रके एक दर्जनसँ बेसी देशमे करिब दू लाख ३० हजार गोटेके मृत्यु भेल छल ।





