जेनजी आन्दोलनके घायल आ शहिद परिवारसँ भेल सम्झौता कार्यान्वयन करबाक लेल सहजीकरण समिति


काठमाण्डू, २९ साओन: सरकार जेन-जी आन्दोलनमे भेल घायल तथा शहिद परिवारके सम्झौता कार्यान्वयन करबाक लेल सहजीकरण समिति गठन कएने अइछ। आइ एत आयोजित प्रेस ब्रिफिङमे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयक सहसचिव हेमराज अर्याल उक्त जानकारी देलैन।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयक सहसचिवक संयोजकलत्वमे गठित ‘जेनजी सम्झौता तथा एकीकृत प्याकेज कार्यान्वयन समन्वय एवम् सहजीकरण समिति’ सरकार आ आन्दोलनकारी पक्ष बीच भेल सम्झौतासभक कार्यान्वयन आ समन्वयमे मुख्य भूमिका खेलत से जनाएल गेल अइछ।

२०८२ अगहन २४ गते भेल सम्झौता आ मन्त्रिपरिषदक २०८३ अखार १८ गतेक बैसारसँ स्वीकृत भेल ‘एकीकृत प्याकेज’ क कार्यान्वयनक प्रगति समीक्षा करबाक मुख्य जिमेवारी तोकल गेल अइछ।
ई समिति आन्दोलनक घायल तथा शहिद परिवारक लेल प्रत्यक्ष सम्पर्क बिन्दुक रूपमे काज करत। मन्त्रिपरिषदसँ स्वीकृत प्याकेज बमोजिम प्रभावित परिवारसभक शिक्षा, स्वास्थ्य तथा रोजगारीक संवेदनशील विषयसभ कार्यान्वयन करबाक लेल समिति विभिन्न सरकारी निकायसभसँ आवश्यक समन्वय आ सहजीकरण करबाक कार्यादेश पौने अइछ।

सहसचिव अर्यालक संयोजकत्वमे गठित अइ समितिक सदस्य सभमे गृह मन्त्रालय, अर्थ मन्त्रालय, शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालय, युवा, श्रम तथा रोजगार मन्त्रालय, पूर्वाधार विकास मन्त्रालय, स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छता मन्त्रालय आ महिला, बालबालिका, लैङ्गिक तथा यौनिक अल्पसङ्ख्यक आ सामाजिक सुरक्षा मन्त्रालयसँ एक-एक गोट उपसचिव तथा जेनजी आन्दोलनक शहिद परिवार आ घायल परिवारक दिससँ दू-दू गोट छैथ। समितिक सदस्य सचिवमे प्रधानमन्त्री कार्यालयक उपसचिव वासुदेव खनाल छैथ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय