एकसाथ पत्रकारिता आ कलाकारिता, दुनुमे सबल
जनकपुरधाम । पत्रकारिता आ कलाकारिता दुनू क्षेत्रमे पृथक पहिचान बनाबएमे सफल घनश्याम मिश्र नेपाली सिनेमा ‘राजागंज’के मादे फेर चर्चामे आएल छइथ ।
वहुमुखि प्रतिभाशाली यूवाक रुपमे परिचित ओ चर्चित निर्देशक दिपक रौनियारद्वारा निर्देशित ‘राजागंज’मे जीवन्त अभिनय कइरके दर्शकके मन जितएमे सफल भेल छइथ । नेपालक राजधानी काठमाण्डू सहित देशेभइरके सिनेमा हलसबमे प्रदर्शन भ रहल अइ सिनेमामे भूमिका कएनिहार घनश्याम सहितके कलाकार सबहक भूमिकाके चौतर्फी सराहल जा रहल अइछ ।
लगभग आठ वर्षधइर व्यापक अध्ययन अनुसन्धानक बाद निर्माण भेल अइ सिनेमामे घनश्याम फरक लुक आ फरक भुमिकामे देखल गेल अइछ । माजल कलाकारके रुपमे पहिनान बनाबएमे सफल ओ जहिया कक्षा ६ मे पडहैत छल तहिया अर्थात १२ वरिषक उमेरमे अशोक शर्माद्वारा निर्देशित नेपाली सिनेमा ‘सीता’मे भूमिका कएने छल । चौकठि, सेतो सूर्य, कथा मीठो सारङ्गीको, पूजा, हाम्रो टिम मैदानमा सहितके एक दर्जनस‘ बेसी सिनेमा एवम् लघु फिल्ममे ओ अभिनय कएने छइथ ।

ओना नेपाल आ भारतके मैथिलीभाषी क्षेत्रक जनमानस घनश्यामके नइँ चिन्हएवाला शायदे केओ ह्यात । दू दशक पहिने बाहर भेल ‘गीत घरघरके’ नामक मैथिली भिडियो एल्बमके बहुचर्चित डोमकछ गीत अनारबत्ती डोमरी तोहर डोम कतए गेलौ…गीतमे डोमके भूमिका कएने छल । जे एखनो आमजनमानसमे जीवन्त अइछ ।
गान्धर्व सङ्गीत महाविद्यालयस’ दू वरिषक बाँसुरी वादन आ आरोहण गुरुकुलमे स्कलरसीपमे नाटकके कोर्ष क चुकल घनश्याम साढे तीन सओ स’ बेसी नाटक शो एवम् एक दर्जनस’ बेसी म्युजिक भिडियोमे मोडलिंग कएने छइथ ।
तहिना मदनकृष्ण आ हरिवंश अर्थात महजोडी संगे ‘आमा’ सेहो अभिनय कएनिहार घनश्याम ‘राजागंज’मे अभिनयके बाद कलाक्षेत्रमे बेसी उत्साहित एवम् आशावादी छइथ । ओना अन्तरराष्ट्रीय स्तरके सिनेमा निर्देशकके रुपमे पहिचान बनारहल दिपक रौनियारके ‘चौकठि’मे कएल गेल भूमिका हुनका बहुत प्रभावित कएलक ।
जेहने हुनक उत्कृष्ट कलाकारिता तेहने पत्रकारितामे सेहो योगदान रहल अइछ । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका ४ निवासी घनश्यामके विगत १८ वरिषक पत्रकारिता यात्रा सेहो उदाहरणीय अइछ । एकटा पलरामे कलाकारिता आ दोसरमे पत्रकारिता, अर्थात दुनूके सन्तुलन मिलाकए डेग आगाँ बढारहल छइथ । जनकपुरधामक सामुदायिक रेडियो जनकपुरस’ पत्रकारिता यात्रा शुभारम्भ कएने छल । नेपाल टेलिभिजन सहित कतेको टेलिभिजन एवम् एफएममे काज कइर चुकल ओ वर्तमानमे एपी वन टेलिभिजनमे कार्यरत छइथ । एकर अतिरिक्त जनकपुरधाम या आसपासमे आयोजन होयबाला प्रायः मञ्चीय कार्यक्रम सञ्चालनमे घनश्याम मनमोहक कलाक संग उद्घोषण करैत नजर आबैत छइथ । ओना हुनक जीवन संगिनी रिंकु पत्रकारिता क्षेत्रमे आ बेटी अतिथि सेहो कला क्षेत्रमे अपन पहिचान बनारहल छइथ ।
करिब एक दशक पहिने मधेशमे भेल घटनाक्रम अर्थात मधेश आन्दोलन, सशस्त्र सङ्गठनके गतिविधि, अपहरण, त्रासदीपूर्ण अवस्था, मधेशप्रति राज्य एवम् तत्कालिन सरकारके दृष्टिकोण सहितके विषय आ उत्पन्न भेल समस्याके ‘राजागंज’मे देखाएल गेल अइछ । सिनेमामे दयाहाङ राई, आशा मङ्गराती, ऋचा शर्मा, पशुपति राई, विजय बराल, गौमाया गुरुङ, निकिता चन्डक, निरज श्रेष्ठ, घनश्याम मिश्रा, आरती मण्डल, पुष्पा यादव, परमेश झा, मदन ठाकुर सहितके कलाकार सब अभिनय कएने छइथ । ओना नेपाली सिनेमाके इतिहासमे ‘राजागंज’ सिनेमा हयात जइमे अत्यधिक संख्यामे जनकपुर क्षेत्रक कलाकार, मधेशक कथावस्तु, मधेशेमे छायाङ्कन कएल गेल अइछ ।







