वीरगञ्ज (पर्सा), २४ कातिक : प्रहरी पर्सा जिलामे चाइर दिनक भीतर लगभग ३ लाख ५० हजार टका बराबरक पट्टका, आतिशबाजी तथा विस्फोटक पदार्थ बरामद केलक अइछ।
जिला प्रहरी कार्यालय तथा मातहतमे खटल गेल प्रहरी समूह अइ कातिक २१ गतेसँ एखनधैर विभिन्न ठामसँ मिर्चैया पट्टका, चक्र, फूलझड़ी, रकेट बेरा, आलु बम, झिरझिरेलगायत बेरा तथा आतिशबाजीजन्य पदार्थ बरामद केलक अइछ।
पटका तथा आतिशबाजीजन्य पदार्थ विस्फोटक पदार्थ अन्तर्गत पड़ैत छै आ कानूनद्वारा एकर उत्पादन, भण्डारण, बिक्री–वितरण तथा प्रयोगपर रोक लगाएल गेल जिला प्रहरी कार्यालय पर्साक प्रहरी नायब उपरीक्षक चक्रबहादुर मल्ल राससकेँ जानकारी देलैन।
ओ कहलैन, “पटका तथा आतिशबाजीजन्य पदार्थक प्रयोगसँ जनधनक क्षति, आगलगी तथा वातावरण प्रदूषण होइत अइछ। तेँ पट्टका तथा आतिशबाजीजन्य पदार्थक उत्पादन, भण्डारण, बिक्री–वितरण नै करबाक आग्रह कएल जाइत अइछ।”
प्रहरी सर्वसाधारणसँ बालबालिकाकेँ विस्फोटक पदार्थसम्बन्धी गतिविधिमे संलग्न नै होबाक लेल आग्रह कएने अइछ।
सोमदिन पर्साक पकाहाँ मैनपुर गाउँपालिका–२, मधुबनीमे पट्टका फोड़ैत काल छर्रा लागलासँ पाँच वर्षीय बालक कुन्दन सहनीक मृत्यु भेल अइछ। (रासस)
—





