मधेश प्रदेशसभाक बैसार कातिक २८ गते आह्वान


जनकपुरधाम, २६ कातिक : मधेश प्रदेशसभाक बैसार अइ कातिक २८ गते लेल आह्वान कएल गेल अइछ।

मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादवकेँ प्रदेश सभासँ विश्वासक मत लेबाक प्रयोजनसँ कातिक २८ गते दुपहर १ बजे प्रदेशसभाक बैसार बोलाएल गेल मधेश प्रदेशक सभामुख रामअशिष यादव जानकारी देलैन।

प्रदेशसभाक बैसार सञ्चालन लेल काइल कातिक २७ गते दुपहर प्रदेशसभाक कार्यव्यवस्था परामर्श समितिक बैसार हएत। ओइ बैसारमे कार्यसूची निर्धारण कएल जेबाक सभामुख यादव बतौलैन।

मधेश प्रदेश सरकारमे सहभागी नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) आ नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी सरकारकेँ देल समर्थन फिर्ता लेलासँ मुख्यमन्त्री यादव विश्वासक मत ल रहल छैथ।

कातिक २८ गते दुपहर १ बजे विश्वासक मत लेबाक लेल मुख्यमन्त्री यादव प्रदेशसभा सचिवालयकेँ पत्र पठौने छल।

सत्तासिन दुनू दल समर्थन फिर्ता लेलाक बाद मुख्यमन्त्री यादव सरकार बचेबाक लेल सक्रियता बढ़ौने अइछ। १०७ सदस्यीय मधेश प्रदेशसभामे सरकार गठन लेल कमसँ कम ५४ प्रदेशसभा सदस्यक समर्थन आवश्यक अइछ।

मधेश प्रदेशसभामे नेपाली कांग्रेसक २२, एमालेक २३, जसपा नेपालक २७, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीक १५ आ जनमत पार्टीक १२ सदस्य छैथ। तहिना संघीय समाजवादी पार्टी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक १–१ सदस्य छैथ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय