जनकपुरधाम, २८ कातिकः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव प्रदेशसभासँ विश्वासके मत मिलबाक अवस्था नै रहलाक बाद आइ पदसँ राजीनामा देलैन अइछ ।
आइ बैसल प्रदेशसभा बैसारकेँ सम्बोधन करैत ओ राजीनामाके घोषणा कएने अइछ। नेकपा (एमाले) आ नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी सरकारकेँ देल समर्थन फिर्ता लेलाक बाद मुख्यमन्त्री यादव विश्वासके मत अपुग भेल छल ।
नेपाली कांग्रेस नेतृत्वके सरकारमे सहभागी नेकपा (एमाले) क चाइर मन्त्री बितल आसिन २५ गते सामूहिक राजीनामा दैत सरकारकेँ देल समर्थन फिर्ता लेने छल । तहिना , नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके चाइर मन्त्री कातिक २० गते राजीनामा दैत समर्थन फिर्ता लेने छल ।
मुख्यमन्त्री यादवके राजीनामाके बाद मधेश प्रदेशमे आब कोन दलके नेतृत्वमे सरकार गठन हएत से निर्णय नै भ सकल अइछ ।
एक सओ सात सदस्यीय मधेश प्रदेशसभामे सरकार गठनक लेल कम्तीमे ५४ सदस्यके समर्थन आवश्यक होइत छै । प्रदेशसभामे नेपाली कांग्रेसक २२, नेकपा (एमाले) क २३, जनता समाजवादी पार्टी नेपालके २७, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके १५ आ जनमत पार्टीके १२ सदस्य छैथ। तहिना, संघीय समाजवादी पार्टी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके एक–एक सदस्य छैथ । (रासस)





