एक महिनामे अपराधक चाइर हजार मुद्दा दर्ता


काठमाण्डू, ११ चैत : फागुन महिनामे देशभैर चाइर हजार चाइर सओ ६८ आपराधिक घटनाक मुद्दा दर्ता भेल अइछ। एहिमे सभबसँ बेसी बैंकिङ कसुरक एक हजार एक सओ २७ (२५.२२ प्रतिशत) मुद्दा दर्ता भेल अइछ।

नेपाल प्रहरीक केन्द्रीय प्रवक्ता, प्रहरी नायब महानिरीक्षक दिनेश कुमार आचार्यक अनुसार, काठमाण्डू उपत्यकामे अपराधक घटनासभ बेसी घटल आ विशेष क बैंकिङ कसुरक मुद्दा सबसँ बेसी दर्ता भेल अइछ।  प्रवक्ता आचार्यक कहब अइछ जे बैंकिङ कसुरक मामिलामे चेक बाउन्स सम्बन्धी मुद्दा बेसी अइछ। ओ कहलैन “हालक समयमे प्रविधिक विकाश सङे सामाजिक सञ्जालक दुरुपयोगसँ अपराधक घटनासभ बइढ़ रहल अइछ।” फागुन महिनामे बैंकिङ कसुरक एक हजार एक सओ २७ मुद्दा दर्ता भेल अइछ। तहिना, सार्वजनिक हित, स्वास्थ्य, सुरक्षा, सुविधा आ नैतिकताविरुद्ध पाँच सओ २१ अपराधक मुद्दा दर्ता भेल अइछ।

आत्महत्यासम्बन्धी अपराधक पाँच सओ एक, लागुऔषधसम्बन्धी चाइर सओ १९, चोरीक दू सओ ८६, जबरजस्ती करणीक एक सओ ६८, ठगीसम्बन्धी एक सओ ६२, सवारी जान मुद्दा एक सओ ५४, जान मारबाक उद्योगमे ७१ आ कर्तव्य जानसम्बन्धी ४२ मुद्दा प्रहरीमे दर्ता भेल अइछ।  प्रवक्ता आचार्यक अनुसार, काठमाण्डू उपत्यकामे एक हजार तीन सओ ३७ मुद्दा दर्ता भेल अइछ। तहिना, मधेश प्रदेशमे सात सओ १५, कोशी प्रदेशमे छह सओ ६५, लुम्बिनी प्रदेशमे छह सओ १२, बागमतीमे तीन सओ ७६, सुदूरपश्चिममे दू सओ ७९, गण्डकी प्रदेशमे तीन सओ २३ आ कर्णाली प्रदेशमे एक सओ ६१ आपराधिक घटनाक मुद्दा प्रहरीमे दर्ता भेल अइछ। रासस ।                                 एआइद्वारा बनाओल गेल प्रतिकात्मक तस्विर ।

ताजा खबर
लोकप्रिय