काठमाण्डू, २७ साओनः उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री गौरी कुमारी ग्यास आपूर्तिके अवस्था, वितरण तथा ढुवानीकेँ पारदर्शी आ प्रभावकारी बनेबाक लेल अनलाइन ट्र्याकिङ प्रणालीके निर्माणमे लागल बताैलैन अइछ ।
उद्योग तथा वाणिज्य आ श्रम तथा उपभोक्ताहित सरक्षण समिति आइ खाद्य आपूर्तिसम्बन्धी बातचित कार्यक्रममे मन्त्री कुमारी अखन गुगल फारम भइर क ग्यास वितरण भेल से सार्वजनिक कएल गेल बतौलैन ।
मन्त्री गौरी कुमारी सिंहदरबारमे साओन २८ गतेसँ खाद्यके स्टलमार्फत खाद्यान्न बिक्री वितरण क रहल बतौलैन । नेपाल आयल निगमके प्रबन्ध निर्देशन नागेन्द्र साह एक सप्ताहमे ग्यासके सहज आपूर्ति होबाक बतौलैन अइछ । ओ मङ्गलदिन १३४ ग्यास बुलेट आएल कहलैन । (रासस)





