‘एलपिजीके बेसी खपत हुअबला क्षेत्रमे संयुक्त अनुगमन करए पड़त’


काठमाण्डू, २७ साओनः उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री गौरी कुमारी यादव एलपिजी ग्यास बेसी खपत करैबला उद्योग एवं होटलके अनुगमन करबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।

उद्योग तथा वाणिज्य आ श्रम तथा उपभोक्ता हित समिति आइ सिंहदरबारमे आयोजन कएने ‘अत्यावश्यक दैनिक खाद्य वस्तुसभक सहज आपूर्ति व्यवस्थापनक बारेमे सरोकारवाला निकायसँ परामर्श’ मे ओ खाना बनाबैबला ग्यासके अधिक भण्डारणक विषयमे संयुक्त अनुगमन करबाक लेल आग्रह केलैन ।

संसदीय समिति, वाणिज्य आपूर्ति तथा उपभोक्ता संरक्षण विभाग आ उपभोक्ता अधिकारकर्मीसभक संयुक्त अनुगमन टोली अनुगमन क वास्तविकता बुइझ क समस्या समाधान करबाक आवश्यकता भेल ओ बतौलैन । सांसद तथा सरोकारवाला निकाय व्यक्त कएने जिज्ञासाके उत्तर दैत ओ अनुगमनसँ देखाएल कैफियतमे कारबाही करबाक लेल मन्त्रालय तैयार रहल बतौलैन ।

राष्ट्रिय उपभोक्ता मञ्चक अध्यक्ष प्रेमलाल महर्जन फाइभ स्टार होटलसभ अत्यधिक मात्रामे ग्यास स्टक जमा कएने कारण सर्वसाधारणके ग्यासक समस्या भोगए पैड़ रहल शिकायत केलैन ।

उद्योग तथा वाणिज्य आ श्रम तथा उपभोक्ता हित समितिक सभापति रहबर अन्सारी अखन देखाएल ग्यास तथा खाद्य आपूर्तिमे भेल समस्याके अल्पकालीन, मध्यकालीन आ दीर्घकालीन योजना बना क समस्याके समाधान करबाक लेल अनुरोध केलैन । पेट्रोलियम पदार्थसम्बन्धी ऐन आ कालाबजारी विरुद्धक ऐन आनबाक लेल आवश्यक तैयारीमे जुटै लेल निर्देशन देलैन ।

उद्योग वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रालयके सचिव नारायण प्रसाद शर्मा दुवाडी मन्त्रालय अपन क्षमता आ सामथ्र्यसँ स्पष्ट योजना बना क आगु बढ़ए चाहने स्पष्ट केलैन । मन्त्रालय आ मातहतके निकायसँ सीमित स्रोतसाधनके बाबजुत सेहो अधिकतम बजार अनुगमन करबाक प्रयास करैत आएल ओ बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय