वीरगञ्ज (पर्सा), १२ चैतः वीरगञ्ज भंसारसँ चालू आर्थिक वर्षक आठ महिनामे ५३ अरब २६ करोड़़ टकाके सामान निर्यात भेल अइछ। वितल आर्थिक वर्षक एहि अवधीसँ तुलना कएल जाए तँ ई १७२.०१ प्रतिशतसँ बेसी अइछ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयक प्रमुख दीपक लामिछानेक अनुसार चालू आर्थिक वर्षमे भटमासक तेलक निर्यात बढ़ल अइछ। बितेका आठ महिनामे २८ अरब १९ करोड़़ टकाके १३ करोड़़ ४७ लाख १० हजार १ सओ ४२ लिटर भटमासक तेल निर्यात भेल अइछ।
एहि तरहेँ, ४ अरब ८८ करोड़़ टकाले जूस आ ३ अरब ६८ करोड़़ टकाके लोहा आ ओहिसँ बनल सामग्री निर्यात भेल अइछ। रासस





