काठमाण्डू, १३ चैत: विपक्षी दलसभ प्रधानमन्त्रीसँ उत्तर माँगैत प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसार अवरुद्ध कएने अइछ।
सभामुख देवराज घिमिरे जखने आजुक सभाके बैसार प्रारम्भ केलैथ, विपक्षी दलसभक सांसद उइठ क विरोध प्रकट कएलक । सभामुख घिमिरे नेकपा (माओवादी केन्द्र) क सांसद शक्तिबहादुर बस्नेतकेँ बोलबाक समय देने छलाह। सांसद बस्नेत कहलैथ “सरकार हालके परिस्थितिसँ बेखबर भ स्वार्थ समूह आ दलालसभके हितके लेल नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक कार्यकारी निर्देशककेँ हटौने अइछ। प्राधिकरणक कार्यकारी निर्देशक कुलमान घिसिङकेँ हटेबाक निर्णय फिर्ता लेल जाए,”
इएह मांग करत ओ कहलैथ जे एहि विषयमे प्रधानमन्त्री जवाब दैथ। सांसद बस्नेत अपन बात समाप्त कएल लगले, विपक्षी सांसदसभ फेर उइठ क विरोध कएलैन। सभामुख देवराज घिमिरे विरोधक बीच सदनकेँ ३० मिनट क लेल स्थगित कएने छैथ।
संसदके कार्यसूची अनुसार, आजुक बैसारमे ‘बैंकिङ कसूर तथा सजाय (दोसर संशोधन) विधेयक, २०८०’पर राष्ट्रीय सभासँ प्राप्त सन्देशसहित विधेयक टेबुल करबाक कार्यक्रम अइछ ।





