राजविराज, १३ चैत । कोनो समय एकदोसरके कट्टर विरोधी मानल गेल चर्चित राजनीतिकर्मी जयप्रकाश प्रसाद गुप्ता पहिलबेर जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवके प्रशंसा कएलक अइछ ।
मधेशी जनअधिकार फोरम नेपालक स्थापनाकालके सहयात्री जयप्रकाश आनन्द बुध दिन फेसबुक मार्फत प्रशंसा करैत धन्यवाद् देलक अइछ ।
पोष्टके मैथिली अनुवाद एना अइछः
किछ कहएके मन भेल ।
मधेशक राजनीतिक दल सब जे कखनो नीक, समयसंगत आ देशक दीर्घकालिक हितमें कोनो ठोस निर्णय लैत अइछ, तऽ बाँकी दल सब विरोधमें उतैर जाइत अइछ आ मधेशक विरोधमें एकठाम भ जाइत अइछ । ई संकीर्ण मानसिकता एखनो देखायल ।
मधेशक राजनीतिक दल सबके सयौं बेर धोखा भेटल, अपनेसँ अनगिनत गलती भेल, तइयो ओ सब कखनो चेतय छइथ ने । अपने लोकैनक सामूहिक हितमें कोनो ठोस निर्णय नइँ क पबैत छथि । सत्ताके पछुवा धरैमै लाइग जाइत छइथ– ई गलत प्रवृत्ति अइ बेरो देखायल ।
भूमि सम्बन्धी अध्यादेश देशक हितमें छल । सत्ता गठबंधन ओकरा पास करय लेल जोर–जबरदस्ती कएलक । जसपा बाहेक लगभग सभ दल सत्ता गठबंधनके पछुवा पकैड़ लेलक ।
एक मात्र उपेन्द्र यादवजी अइड़ गेलाह । ओ कहलखिन—ई देशक हितमें नइँँ अइछ । सरकार मजबूर भ संसदमें विधेयक पेश नै क सकल । समाचार अनुसार आब सरकार विधेयक फिर्ता ल रहल अइछ । ई नीक निर्णय भेल ।
अइ लेल श्री उपेन्द्र यादव बधाइके पात्र छइथ । अइ सन्दर्भमें निसंदेह धन्यवादक योग्य नेता ! (मैथिली अनुवाद)






