काठमाण्डू, १४ चैतः एसियाली फुटबल महासङ्घ (एएफसी) महिला एसियन कप-२०२६ छनाैटमे नेपाल समूह ‘एफ’मे पड़ल अइछ । महासङ्घ मलेसियाके क्वालालम्पुरस्थित एएफसी हाउसमे आइ सर्वजनिक कएल गेल समूह विभाजनमे नेपाल ‘एफ’मे पड़ल अइछ ।
नेपालके समूहमे उज्बेकिस्तान, लाओस आ श्रीलङ्का छै । आगमी जुन महिनामे समूह ‘एफ’के छनाैट खेल उज्बेकिस्तानमे हएत । नेपाल अपन समूहमे शीर्षस्थान रहिक पहिल बेर एसिया कप खेलत ।
एएफसी महिला एसियन छनाैटमे विभिन्न ३४ देशकेँ आठ समूहमे विभाजन कएल गेल अइछ । जाहिमे हरेक समूहके विजेता अष्ट्रेलियामे हुने एसिया कप खेलत । एसियन कप सन् २०२६ मार्चमे अष्ट्रेलियामे भ रहल अइछ । रासस






