महेन्द्रनगर (धनुषा), १५ चैतः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह धनुषा जिलाक राजमार्ग अगलबगल क रात्रिकालीन होटलसभक अनुगमन कएलैन अइछ।
स्थानिय लालगढ बजारमे संचालित होटलसभमे बासी आ गुणस्तरहीन खाना परोसल जाए रहल छै आ भोजनके दाम बेसी लेल जाए रहल छै, एहन शिकायत निरन्तर आइब रहल छल। एहि संदर्भमे मुख्यमन्त्री सिंहक नेतृत्वमे उच्चस्तरीय सरकारी टीम बृहस्पति राइत होटलसभके अनुगमन कएलक अइछ।
मुख्यमन्त्री सिंह निजी नम्बर प्लेटक माइक्रोबसमे सादा पहिरनमे सुरक्षाकर्मीसंग अनुगमनक क्रममे होटल संचालकसभसँ बातचीत कएलैन। ओ होटल सभमे सार्वजनिक बस आ माइक्रोबस चालक आ परिचालकसभकेँ यात्रीसँ भोजन खुएबाक नाममे ‘कमिसन’क रूपमे कते नगद देल जाइत छै आ ओहि नगद देबाक प्रक्रिया कोना अइछ, से सम्बन्धमे जानकारी लेलैन ।
सञ्चालकसभ अनुगमन टोलीकेँ जानकारी देलैन जे होटलमे भोजन खेनिहार यात्रीक संख्या आधारित क दैनिक, साप्ताहिक, मासिक वा परस्पर सहमतिअनुसार निश्चित दिनक अन्तरमे ‘कमिसन’ देबाक चलन अइछ।
जनकपुरधामसँ शुरू भेल होटल अनुगमन अभियानक निरन्तरता दैत उच्चस्तरीय टीम लालगढधैर पहुँचल छल।
अनुगमनक क्रममे अधिकांश होटलसभक भांसाघर साफ नै छल। दाइलमे दानाक स्थानपर हरदी–पाइन भेटल, सागसब्जी बिना साफ कएने पकाएल, माउसमाछ कोन समय पकाएल गेल सेहो धैर पता नै चलल। होटलसभमे अत्यधिक भीड़ रहबाक कारणेँके कते खेलकै, से अनुमान करब मुस्किल भ रहल छल। एहि कारण ग्राहकसभकेँ नै खेलहो वस्तुके पैसा तिरबाक बाध्यता छल, एकर जानकारी साना उद्योग आ घरेलु कार्यालय जनकपुरधामके प्रमुख सन्तोष साह देलैन । रासस





