तीनकुनेमे झड़प, किछु घरमे आइगजनी आ तोड़फोड़


काठमाण्डू, १५ चैतः काठमाण्डूक तीनकुने इलाकामे निषेधित क्षेत्र तोड़ैत किछु प्रदर्शनकारीसभ किछु घरमे तोड़फोड़ आ आइगजनी कएने अइछ। एहि क्रममे आन्दोलनकारी आ प्रहरीक बीच झड़प सेहो भेल अइछ।

राजसंस्थाक समर्थनमे प्रदर्शन क रहल समूह आगजनी आ तोड़फोड़ करैत निषेधित क्षेत्र दिस आगाँ बढ़लाक बाद प्रहरीसँ झड़प भेल, ई जानकारी केन्द्रीय प्रहरी प्रवक्ता, प्रहरी नायब महानिरीक्षक (डिआइजी) दिनेश कुमार आचार्य देने छैथ। “प्रहरी संयमतापूर्वक अपन कर्तव्य निर्वाह केलक”, ओ कहलैन, “प्रदर्शनकारीसभ किछु घरमे आइगजनी आ तोड़फोड़ केलक, क्षतिक विस्तृत विवरण अएबाक बाकी छै।” झड़पक क्रममे किछु प्रहरीकर्मी आ प्रदर्शनकारी घायलो भेल छैथ।

निषेधित क्षेत्र तोइड़ क प्रदर्शनकारी आगाँ बढ़ए लगलाक बाद स्थितिक सामान्य बनेबाक लेल प्रहरी पाइनक छिटा आ अश्रुग्यास प्रयोग करए पड़ल। एहि क्रममे प्रदर्शनकारी निजी गाड़ीसभक उपयोग क प्रहरीक घेराबन्दी तोड़ैत निषेधित क्षेत्रमे प्रवेश केलक, ओ जानकारी देलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय