काठमाण्डू, १६ चैत: पूर्वराजा समर्थकसभक हिंसात्मक आन्दोलन क्रममे मृत्यु भेल पत्रकार आ सञ्चारकर्मी सुरेश रजकप्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण कएल गेल अइछ।
नेपाल पत्रकार महासंघक अगुवाईमे पत्रकार रजकक मृत्युके सत्यतथ्य उजागर करबाक आ दोषीसभपर कड़ा कारबाही करबाक मांग करैत आइ भोर माइतीघर मण्डलामे विरोध प्रदर्शन कएल गेल अइछ। शुक्रदिन पूर्वराजा समर्थकसभक समूहद्वारा कएल गेल आन्दोलनक क्रममे भिडिओ खिचबाक क्रममे एभिन्यूज टेलिभिजनक क्यामेरापर्सन सुरेश रजकके शव जरल अवस्थामे भेटल छल। पत्रकार महासंघक कार्यवाहक अध्यक्ष दीपक आचार्य पत्रकारसभके जीजानके सुरक्षा लेल एकताबद्ध भ संघर्ष करबाक आवश्यकतापर जोड़ देलैथ। ओ मृतक पत्रकार रजककेँ न्याय दिएबाक लेल महासंघ निरन्तर लागल रहबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलैथ।
विरोध प्रदर्शनमे पत्रकार महासंघक पूर्वअध्यक्ष तारानाथ दाहाल, धर्मेन्द्र झा, शिव गाउँ आदि उपस्थित छल। एहि कार्यक्रममे प्रेस युनियन, प्रेस चौतारी आ प्रेस सेन्टर नेपालक नेतासभ पत्रकार रजककेँ न्याय देबाक आ हुनकर परिवारकेँ उचित क्षतिपूर्ति उपलब्ध करबाक मांग कएलैथ। बदलल परिस्थितिक कारण महासंघ स्थापना दिवसपर पूर्वनिर्धारित सम्पूर्ण कार्यक्रमसभ स्थगित क विरोध प्रदर्शन कएल गेल, से महासंघक केन्द्रीय कोषाध्यक्ष रामकृष्ण अधिकारी जानकारी देलैथ। ओ कहलैथ “आइए महासंघक उपलब्ध केन्द्रीय सदस्यसभक आकस्मिक बैसार हएत, जतए आगूकेँ संघर्षक कार्यक्रम तय करबाक सङ-सङे संचारमन्त्रीकेँ भेट क ज्ञापनपत्र देबाक निर्णय होएत।”रासस





