काठमाण्डू, १६ चैत । गृहमन्त्री रमेश लेखक शुक्रदिन पूर्वराजा समर्थकसभद्वारा काठमाण्डूक तीनकुने, कोटेश्वर आदि क्षेत्रमे भेल तोड़फोड़, आइगजनी आ लूटपाटक स्थलगत निरीक्षण केलैथ।
गृहमन्त्री लेखक सङे गृहसचिव गोकर्णमणि दुवाडी, गृह मन्त्रालयक उच्चपदस्थ अधिकारी आ प्रहरी अधिकृतसभ तीनकुने स्थित निजी घर, कान्तिपुर टेलिभिजन कार्यालय, अन्नपूर्ण पोस्ट दैनिक, जड़ीबूटी उत्पादन आ प्रशोधन कम्पनी लिमिटेड, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) आ नेकपा (माओवादी केन्द्र) कार्यालय सङ कोटेश्वर स्थित भाटभटेनी सुपरमार्केटक निरीक्षण कएलक।
निरीक्षणक क्रममे गृहमन्त्री लेखक कहलैथ “सञ्चारगृहसभपर भेल आक्रमण निन्दनीय अइछ आ घटनामे संलग्न कोनो व्यक्ति होए, तिनका कानूनी कारबाहीक दायरामे अनल जाएत।” ओ लोकतन्त्रक महत्वपूर्ण अंश सञ्चार माध्यमकेँ ध्वस्त करबाक प्रयासक निन्दा करैत दोषीसभपर कारबाही करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैथ।
ओ कहलैथ, “लोकतांत्रिक गणतन्त्रमे आपसी प्रतिस्पर्धा होइत रहैत अइछ। जनताके अभिमत अनुसार सरकार पक्ष आ विपक्ष रहैत छै, मुदा जँ कोनो व्यक्ति व्यवस्थाक विरुद्ध उद्दंडता प्रदर्शन करैत छै तँ एकताबद्ध भ विरोध करबाक आवश्यकता अइछ।” रासस
—





