काठमाण्डू, १८ चैतः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क सांसद रेखा शर्मा सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रकेँ मजबूती दिएबाक लेल जनताद्वारा अनुभव कएल जएबाक हिसाबेँ सेवा प्रवाह करबाक आवश्यकता रहल कहलैन अइछ।
प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे अपन दलक पक्षसँ विचार राखैत ओ कहलैन “राजनीतिक व्यवस्थाक परिवर्तन सङ-सङ जनताके अवस्थाक सेहो परिवर्तन होए, एकर लेल सरकार प्रभावी रूपसँ काज करबाक चाही।”
तीनकुने घटनाक उल्लेख करैत ओ कहलैथ “१५ चैतके पूर्वराजा पक्षधरद्वारा देखाएल गेल व्यवहार पूर्णतः गैरकानूनी आ असंवैधानिक छल। सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाली जनताक त्याग आ बलिदानसँ प्राप्त भेल छै आ संविधान तथा कानूनी नियमके उल्लङ्घन करबाक ककरो कोनो अधिकार नै अइछ।”
ओ कहलैन “तीनकुने घटनाक क्रममे सरकारी संस्थाक आइग लगाएल गेलै, दु गोटेके जान गेल, दर्जनो नागरिक घायल भेलै आ सार्वजनिक सम्पत्तिमे तोड़फोड़ भेलै। एहन स्थितिमे पूर्वसावधानी नै करब सरकारके कमजोरी छी।”
लोकतन्त्रकेँ मजबूत आ समृद्ध बनेबाक लेल सबहक सहयोग आवश्यक अइछ, कहैत ओ सरकारकेँ जनताक सेवा सुविधा उपलब्ध कराबए, व्यवस्थाक सबल आ सक्षम बनाबए तथा सुशासनकेँ सुनिश्चित करबाक आग्रह कएलैन। ओ कहलैन “सरकारकेँ गैरकानूनी गतिविधिपर नियन्त्रण राखबाक चाही आ व्यवस्थाक मजबूती लेल ठोस कदम उठबाक चाही।
ओ कहलैन “हमर पार्टी सहित समाजवादी मोर्चाद्वारा आयोजित जनप्रदर्शन सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र आ संविधानके समर्थनमे छल।” सुशासनक पक्षमे अपन अटल धारणा राखैत ओ कहलैन जे सरकारकेँ सुशासन आ कानूनी शासन पालन करबाक दिशामे सचेत रहबाक चाही।
नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक कार्यकारी निर्देशककेँ हटाएब अन्यायपूर्ण कहैत सांसद शर्माक कहब छल जे तीनकुने घटनामे संलग्नसभ दोषीकेँ कानूनी दायरामे अनबाक आवश्यक अइछ, आ ओ एहि मांगकेँ बारम्बार दोहराैलैथ । रासस
–––





