मधेश स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान भवनके शिलान्यास


महेन्द्रनगर (धनुषा), १८ चैतः मधेशक मुख्यमन्त्री सतिश सिंहद्वारा मधेस स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानके एकेडेमिक भवनक आइ शिलान्यास कएल गेल अइछ ।

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१३ स्थित मणि मण्डप पाछाके गुठीके जमीनमे निर्माण होबए लागल उक्त भवन प्रतिष्ठानके शैक्षिक गतिविधिकेँ आओरो सहज बनोबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । मुख्यमन्त्री सिंह दु करोड ५० टकामे ठिका आह्वान भ चुकल जानकारी दैत समयमे निर्माण कार्य सम्पन्न करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ ।

मधेश स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक रजिष्ट्रार विनोद यादवके अनुसार प्रतिष्ठानके शैक्षिक भवनसहित कक्षाकोठा, प्रयोगशाला आ अस्पतालके संरचना निर्माण करबाक योजना रहल बतौलैन अइछ । ओ भवन निर्माणबाद शैक्षिक गतिविधिमे सुधार आनल जाएत कहलैन।

नगरप्रमुख मनोज कुमार साह गुठीके जमिनपर कानुनी प्रक्रिया पूरा क भवन निर्माण होबए लागल स्पष्ट कएने छैथ । ओ सामाजिक कार्यके लेल निर्माण भ रहल भवनके दुनू बगल वैकल्पिक सड़कके व्यवस्था मिलेबाक जानकारी दैत सब पक्षकेँ सहयोग करबाक आग्रहसमेत कएने छैथ । रासस
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय