महेन्द्रनगर (धनुषा), १९ चैत । मधेश प्रदेशक प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारी प्रदेशसभासँ पारित भ प्रमाणीकरण लेल पेश कएल गेल तीनटा महत्वपूर्ण विधेयकके प्रमाणीकरण कएलैन अइछ।
आइ प्रदेश प्रमुख भण्डारी मधेशमे पर्यटन विकाश आ प्रवर्द्धन सम्बन्धी व्यवस्था करबाक विधेयक, प्रदेश कृषि विकाश सम्बन्धी व्यवस्था करबाक विधेयक आ प्रदेश बालअधिकार सम्बन्धी ऐन, २०७७केँ संशोधन करबाक विधेयकके प्रमाणीकरण कएलैन।
नेपाल संविधानक धारा २०१के उपधारा (२) अनुरूप प्रमाणीकरण कएल गेल ई विधेयक प्रदेश विकाश लेल महत्वपूर्ण मानल जाइत अइछ। पर्यटन विकाश आ प्रवर्द्धन विधेयक मधेश प्रदेशमे पर्यटनक संवर्धन लेल आवश्यक नीति आ योजनाक निर्धारण करत।
तहिना, प्रदेश कृषि विकाश सम्बन्धी विधेयक प्रदेशभैर कृषि क्षेत्रमे नवाचार, आधुनिकीकरण आ कृषकके हित संरक्षण लेल कानूनी आधार तैयार करत। बालअधिकार सम्बन्धी ऐन, २०७७केँ संशोधन करबाक विधेयक बालअधिकार संरक्षणकेँ आ प्रभावकारी बनेबाक उद्देश्यसँ संशोधित कएल गेल अइछ।
प्रदेश प्रमुख कार्यालयक प्रवक्ता शत्रुधन यादवके अनुसार ई विधेयकसभके कार्यान्वयनसँ मधेश प्रदेशक सामाजिक, आर्थिक आ पर्यटकीय क्षेत्रमे सकारात्मक प्रभाव पड़बाक आशा कएल जाइत अइछ।





