बिपी राजमार्ग : भुस्खलन प्रभावित क्षेत्रमे वैकल्पिक सड़क निर्माण जारी


धुलिखेल (काभ्रेपलाञ्चोक), १९ चैत : वितल आसिनके दोसर सप्ताहमे भेल बाइढ़ आ भुस्खलनके कारण क्षतिग्रस्त भेल बिपी राजमार्गमे हाल अस्थायी वैकल्पिक मार्ग निर्माण कएल गेल अइछ, जाहिसँ सवारी संचालन भ रहल अइछ। काभ्रेपलाञ्चोक जिलाक नमोबुद्ध नगरपालिकाक चौकीडाँड़ासँ सिन्धुलीक सीमाबर्खेखोलाधरिक अस्थायी सड़क बनाएल गेल अइछ, जत हाल गाड़ीसभ संचालन भ रहल छै।

बिपी राजमार्ग काठमाण्डूसँ पूर्वी तराइके लेल छोट दूरीके महत्वपूर्ण मार्ग छी। मुदा बर्खाक मौसम नजदीक आएलासँ सड़क डिभिजन भक्तपुर एहि मार्गक वैकल्पिक समाधानक रूपमे नदीक सतहसँ ऊपर उठाकय स्थायी सड़क निर्माण क रहल अइछ। विशेष रूपसँ चौकीडाँड़ामे क्षतिग्रस्त भागमे नदीक धार बदैल क आओरो उँचगर सतहके वैकल्पिक मार्ग बनाएल जा रहल छै।

धारके बहाव बढ़लासँ आ सड़क हाल बगरसँ चलाएल जा रहलासँ बर्खामे समस्या नै होए, ताहि लेल नदीके धार परिवर्तन कएल जाएत आ सड़कके सतह उँचगर कएल जाएत। चौकीडाँड़ासँ सिन्धुलीक सीमाधैरके आठ किलोमीटर सड़क बाइढ़के कारण क्षतिग्रस्त भेल छल, जकर पुन:र्निर्माण काज तीव्र गतिसँ चइल रहल अइछ।

भक्तपुर सड़क डिभिजनक कर्मचारी चन्द्रबहादुर लामाक अनुसार, मङ्गलटार नजदीक बोक्सेकुना आ चिउरीबासमे काज पूरा भ चुकल अइछ, मुदा माम्ती, डालाबेँसी, नार्के, गिम्दीबेँसी, चाइर सयबेँसी आ कटुञ्जे घुमतीमे काज बाकी अइछ।

वैकल्पिक मार्ग निर्माणमे दूटा इन्जिनियर, एकटा सब-इन्जिनियर आ ३०टा अपरेटर निरन्तर कार्यरत छैथ। कार्यालयक लक्ष्य अइछ जे अगिला वैशाखधैर सम्पूर्ण काज पूरा क लेल जाएत। एहि वैकल्पिक सड़कसँ बर्खाक मौसममे सेहो बिपी राजमार्गमे सवारी संचालन होएबाक आश यात्रीसभ करैत छैथ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको